कालीगण्डकी अथवा गण्डकी नदी संसारक सबसँ गहीर मोनि बनाए प्रवाहित होमए वला नदी छी । ई नदी सँ नेपालक सभ सँ पैग जलविद्युत उत्पादन केन्द्र सञ्चालित भऽ रहल अछि । ई नदीमे पैग मात्रामे कारी रङ्गक माटि भेलाक कारण ई नदीक नाम काली गण्डकी नामाकरण केएल गेल अछि।
कालीगण्डकी (कृष्णगण्डकी) | |
नदी | |
कालीगण्डकी नदी, नेपाल | |
देशसभ | तिब्बत, चीन, नेपाल |
---|---|
सहायक नदीसभ | |
- बामा | त्रिशुली, बुढी गण्डकी, मर्स्याङ्दी, मादी नदी, सेती नदी |
- दाहिना | कालिगण्डकी, बादिगड |
शहरसभ | लोमान्थाङ, जोमसोम, बेनी, कुश्मा, रिडी, देवघाट |
स्रोत | नुबिने हिमताल |
- स्थान | तिब्बत-मुस्ताङ सिमाना, नेपाल |
- उचाई | ६,२६८ मी (२०,५६४ फिट) |
मुख | नारायणी नदी |
- स्थान | देवघाट, तनहुँ, नेपाल |
लम्बाई | ६३० किमी (३९१ माइल) |
बेसिन | ४६,३०० किमी२ (१७,८७७ वर्ग मिटर) |
निर्वहन | |
- औषत | १,७६० मी३/से (६२,१५४ क्यु फिट/से) |
- उच्च | ३०,००० मी३/से (१०,५९,४४० क्यु फिट/से) |
- न्यून | ५०० मी३/से (१७,६५७ क्यु फिट/से) |
कालीगण्डकी नदी तिब्बतमे उत्त्पत्ति भऽ मुस्ताङ जिला होएत नेपाल प्रवेश करैत अछि । कागबेनी नामक स्थानमे मुक्तिनाथ मन्दिरमे उत्पत्ति भऽ काग खोला आ मुस्ताङ खोला मिलैत अछि आ उक्त नदीके काली गण्डकी कहल जाएत अछि ।
जोमसोम आ टुकुचे होएत काली गण्डकी संसारक सबसँ गहीर मोनि कालीगण्डकी खोंच भऽ प्रवाहित होएत अछि जकर पश्चिममे धौलागिरी (८१६७ मी.) तथा पूर्वमे अन्नपूर्ण (८०९१ मी.) हिमाल अवस्थित अछि । उक्त मोनिक उचाई १३०० मी. सँ २६०० मी. धरि अछि जे अन्नपूर्ण आ धौलागिरीक चोटी सँ ५५०० मी. सँ ६८०० मी. नीचा अवस्थित अछि ।
खोंचसँ निकेलवाद गलेश्वरमे राहुघाट खोला, बेनीमे म्याग्दी खोला, कुश्मा नजदिक मोदी खोला, रूद्रबेनीमे बडी गाड, आँधिखोला आदि मिलैत अछि। काली गण्डकी पूर्व तर्फ मोड जे देवघाटमे जा सेतीगण्डकी तथा त्रिशुली नदी सँग मिलके दक्षिणदिश बहै लगैत अछि। देबघाटसँ पहाडी भूभाग छिचलके बहै लगल वाद एकरा नारायणी तथा सप्त गण्डकी कहैत अछी।
ई नदीक किनारमे रहल प्रमुख बस्ती तथा शहरसभ ई प्रकार अछि : लोमान्थाङ, जोमसोम, बेनी, बाग्लुङ, कुश्मा पूर्तीघाट, सेतीबेनी, मिर्मी,रुद्रबेनी , रिडी, चापाकोट रामपुर डेढगाउँ देवघाट, नारायणघाट तथा त्रिबेणी।
हिन्दू धर्मक विष्णु भगवानक साक्षात् रूप मान अति दुर्लभ शालिग्राम पावैला एकमात्र स्थानक रूपमे रहल तथा मुक्तिनाथ आ देवघाट जहिना पवित्र धार्मिक तीर्थस्थलके जोड् कालीगण्डकी नदीक धार्मिक आ सांस्कृतिकमात्र नै भऽ पर्यटकीय महत्वसमेत रहल अछि ।
कालीगण्डकी जलविद्युत परियोजना नेपालक सबैसँ पैग परियोजनासभमध्ये परैत अछि। एहिसँ उत्पादित बिजुली प्रसारण लाईन मार्फत सिधा बुटवल तथा नेपालक मुख्य प्रसारण लाईनमे जोडीएल अछी । एहिसँ भारतमे सेहो बिद्युत प्रसारण करैत अछि। कालिगण्डकी परियोजनाले मिर्मी तथा बेल्टारीक जनजीवन उकास्नमे निक सहयोग पुर्याएने अछि , नयाँ बाटोघाटो, निर्माणसभ तथा दर्पुक बेल्टारी पुल सेहो बनल अछी।
This article uses material from the Wikipedia मैथिली article कालीगण्डकी नदी, which is released under the Creative Commons Attribution-ShareAlike 3.0 license ("CC BY-SA 3.0"); additional terms may apply (view authors). CC BY-SA 4.0 कऽ अन्तर्गत विषय सूची उपलब्ध अछि । Images, videos and audio are available under their respective licenses.
®Wikipedia is a registered trademark of the Wiki Foundation, Inc. Wiki मैथिली (DUHOCTRUNGQUOC.VN) is an independent company and has no affiliation with Wiki Foundation.