अगरतला

अगरतला /əɡərtəˈl/ (बङ्गाली: আগরতলা Agortola) भारतक त्रिपुरा राज्यक राजधानी आ सभसँ पैग शहर छी । ई उत्तर-पूर्व भारतक गुवाहाटी शहरक बाद सभसँ पैग नगर क्षेत्र आ सभसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल नगर छी । ई शहर त्रिपुराक सरकारी सिट छी । अगरतला भारतके सभसँ तेजीसँ आगा बढि रहल शहर छी ।

अगरतला
আগরতলা
Agartala
उज्ज्यन्ता दरबार (त्रिपुरा राज्य सङ्ग्रहालय), अगरतला
उज्ज्यन्ता दरबार (त्रिपुरा राज्य सङ्ग्रहालय), अगरतला
देशअगरतला भारत
राज्यत्रिपुरा
जिलापश्चिम त्रिपुरा
सरकार
 • मेयरडा. प्रफुल्ल जीत सिन्हा
 • कमिसनरडा. मिलिन्द रामतेक, आइएसएस
क्षेत्रफल
 • कुल७६.५०४ किमी (२९.५३८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
१२.८० मिटर (४१.९९ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०१५)
 • कुल५,२२,६१३
 • घनत्व६८३१/वर्ग किमी (१७६९०/वर्ग माइल)
भाषासभ
 • आधिकारिकबङ्गालीअङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
७९९००१-१०, ७९९०१२, ७९९०१४-१५, ७९९०२२, ७९९०५५
टेलिफोन कोड९१ (०)३८१
सवारी दर्ताTR 01 XX YYYY
वेबसाइटagartalacity.nic.in

अगरतला दुई शब्द अगर जकर अर्थ एक प्रकारक मूल्यवान सुगन्धित गाछ होइत अछि आ + उपसर्ग तला, एक गोदाम घर सँ बनल अछि । अगरतला नगर परिषद ई शहरके शासित करैत अछि । अगरतला हरोआ नदीके किनारमे अवस्थित अछि आ एतयसँ बंगलादेशक सिमाना मात्र २ किमी दुर अछि । अगरतला भारतक मुम्बईचेन्नईक बाद तेसर अन्तर्राष्ट्रिय इन्टरनेट गेटवे छी ।

एतय मुख्यत: बङ्गाली भाषा बोलल जाइत अछि । अगरतलाक ह्याण्डलुम बुनाई एतयक मुख्य उद्योग छी । अगरतलाक आधासँ बेसी भाग जङ्गलसँ घेरल अछि, जे प्रकृति-प्रेमी पर्यटकसभके आकर्षित करैत अछि । अगरतला नगर परिषदक सम्पूर्ण क्षेत्रफल ७६.५०४ वर्ग किमी आ सन् २०१३ मे पुनार्निर्मित अगरतला नगर परिषदक जनसङ्ख्या ४,३८,४०८ रहल अछि । सन् २०११ के भारतक जनगणना अनुसार अगरतलाक साक्षरता दर ९३.८८ अछि जे भारतक साक्षरता दरसँ बेसी अछि । सन् २०१५ के नगर जनगणना अनुसार अगरतलाक जनसङ्ख्या ५,२२.६१३ अछि ।

इतिहास

त्रिपुरा राज्यक स्थापना १४अम शताब्दीमे माणिक्य नामक भारतीय-मङ्गोलियन आदिवासी मुखियाद्वारा भेल छल, जे हिन्दू धर्म अपनेनाए छल । सन् १८०८ मे एकरा ब्रिटिश साम्राज्य जित लेलक आ ई एक स्व-शासित शाही राज्य बनि गेल । त्रिपुराक राजधानी अगरतलाक स्थापना सन् १८५० मे महाराज राधा कृष्ण किशोर माणिक्य बहादुरद्वारा कएल गेल छल । सन् १९५६ मे ई गणतन्त्र भारतमे शामिल भऽ गेल आ सन् १९७२ मे एकरा राज्यक दर्जा प्राप्त भेल ।

पर्यटन स्थल

पर्यटनक दृष्टिसँ ई एक एहन शहर छी, एतय मनोरञ्जनक तमाम साधन अछि, साहसिक कर्तबक लेल बहुतेक विकल्पसभ ई शहरमे उपलब्ध अछि आ सांस्कृतिक रूपसँ सेहो ई शहर बेहद समृद्ध अछि । एहि वाहेक एतय पावोल जाइवला अलग-अलग प्रकारक जीव-जन्तु आ गाछवृक्ष अगरतला पर्यटनक आओरो रोचक बनाए देनए अछि । अगरतला ओ समय प्रकाशमे आएल जब माणिक्य वंश एकर अपन राजधानी बनेलक । १९अम शताब्दीमे कुकीक लगातार हमललासँ परेशान भऽ महाराज कृष्ण माणिक्य उत्तरी त्रिपुराक उदयपुर स्थित रङ्गामाटीसँ अपन राजधानीके अगरतला स्थानान्तरित करि देलक । राजधानी परिवर्तन करैक एक अओरो कारण ई छल कि महाराज अपन साम्राज्य आ पड़ोसमे स्थित ब्रिटिश बंगलादेशक साथ सम्पर्क बनाबै लेल चाहैत छल । आई अगरतला जे रूपमे स्थापित अछि, दरअसल एकर परिकल्पना सन् १९४० मे महाराज बीर बिक्रम किशोर माणिक्य बहादुर केनए छल । ओ ओहि समय सड़क, बजारक भवन आ नगरनिगमक योजना बनेनाए छल । हुनकर याह योगदानके देखैत आई अगरतलाके बीर बिक्रम सिंह माणिक्य बहादुरक शहर सेहो कहल जाइत अछि । शाही राजधानी आ बंग्लादेशसँ नजदीकी होमएक कारण अतीतमे बहुतेक पैग नामचीन हस्तिसभ अगरतलाक भ्रमण केनए अछि । रविन्द्रनाथ टैगोर बहुतेक बेर अगरतला आएल छल ।

अगरतलामे रहल किछ पर्यटन स्थलसभ निम्न अछि:

उज्जयन्ता दरबार

सन् १९०१ मे निर्मित उज्जयन्ता दरबार, अगरतलाक मुख्य स्मारक छी जे मुगल-युरोपेली मिश्रित शैलीमे निर्मित अछि । ८०० एकड़मे फैलल ई विशाल परिसर आब राज्यक विधान सभाक रूपमे प्रयुक्त होइत अछि । ई परिसरमे बगैंचा आ मानव-निर्मित ताल अछि । आमतौर पर एकरा जनताक लेल नै खोलल जाइत अछि मुदा यदि अहाँ साँझ ३ सँ ४ बजेके बीच मुख्यद्वार पर जाए तँ अहँ एतयसँ प्रवेशक लेल प्रवेश-पास प्राप्त करि सकैत छी ।

नीर महल

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी

Tags:

अगरतला इतिहासअगरतला पर्यटन स्थलअगरतला सन्दर्भ सामग्रीसभअगरतला बाह्य जडीसभअगरतला एहो सभ देखीअगरतलागुवाहाटीत्रिपुराबङ्गाली भाषाभारत

🔥 Trending searches on Wiki मैथिली:

३० मईस्वामी दयानन्द सरस्वतीलृ्जापानी भाषापारिजात (साहित्यकार)जन्नत जुबेर रहमानीसमाजवाद८०भियतनाममङ्गोलियाजीनत अमानद न्यू योर्क टाइम्स बिल्डिङट्रयासी लर्ड्समकवानपुरगढी गाउँपालिकाबाबू साहेब चौधरी१८३८नरेन्द्र मोदीदीना- भदरीशेखर सुमनलहान नगरपालिकाबन्नु जिलाम्यानचेस्टर एरिनाशृङ्खला खतिवडागौरा पर्व१६०४१९०२न्यू योर्क शहरजीवनीपकलीसरगुन मेहताफ्रान्सदीपिका कक्करजोशीपुरअङ्ग्रेजी भाषामुम्बईमलाला युसुफजईसुगौली सन्धिमैथिलीपुण्डरीक (अयोध्या के सूर्यवंशी राजा)भूमे गाउँपालिकाबुखेलगुलाब जामुनवेब्याक मेसिनतोरवाङतिब्बतपृथु (अयोध्या के सूर्यवंशी राजा)लक्ष्मी मित्तलभारोपेली भाषा परिवार२०१८ उत्तर कोरिया- संयुक्त राज्य शिखर सम्मेलनअनमोल केसीआइसिआइसिआई बैंक१५५६नेपालक प्रमाणिक समयजोएचिम लोअत्री गोत्रप्रणिता सुभाषधुलिखेल नगरपालिकासुई धागामारवाडीयोगचौरपाटी गाउँपालिकापाताले छाँगोचाणक्यनिकिता सिंहओडिशा🡆 More