खोटाङ जिला

खोटाङ नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे अवस्थित एक पहाडी जिला छी।

खोटाङ
Khotang
क अवस्थिति
देशखोटाङ जिला नेपाल
प्रदेशपुर्वाञ्चल
अञ्चलसगरमाथा
भौगोलिक अवस्थितिपहाड
गाउँपालिका सङ्ख्या७६
नगरपालिका सङ्ख्या
सदरमुकामदिक्तेल
क्षेत्रफल
 • कुल१५९१ किमी (६१४ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०६८)
 • कुल२०६३१२
 • घनत्व१३०/वर्ग किमी (३४०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०३६
मुख्य भाषासभथुलुङ राई, चाम्लिङ राई , दुमि राई ,मगर, तामाङ,आदि
वेबसाइटofficial website

जिला कऽ इतिहास

एकिकरण करि बृहत नेपाल बनावेसँ पूर्व, दुधकोशी सँ अरुण धरिक किराँतीसभक बस्ती भेल माझकिराँत वा खम्वुवान क्षेत्रक नामसँ प्रसिद्ध छल। ई भू-भागक मुख्य प्रशासन चौदण्डीगढीक सेनवंशी राजाद्वारा सञ्चालित छल तहिना पहाडक छोट- छोट गढी आ थुमसभमे किराँती राजासभ राज्य करैत छल। चौदण्डीगढीक सेन राजाक ही शासनकालमे खोटाङ्गमे राईक स्वशासन देनए छल। विभिन्न समयमे किराँती राजा आ सेन राजाक बीच मतभेद आ कलह होमएत छल। एकर फाइदा उठा पृथ्वीनारायण शाह नेपालक एकिकरणक पहिनुक समयमे ई क्षेत्र उपर विजय केनए छल। राणाकालिन समयमे नेपालक ३५ जिलामे विभाजन कएल गेल छल।

ई समयमे हालक खोटाङक बीच भागमे पडैवाला साप्सु खोलाक सिमाना बना पूर्व ३ नम्वर आ पूर्व ४ नम्वर क्षेत्रक ओखलढुङ्गा आ भोजपुर गौडा शासन करैत छल। स्थानीय तहमे मझुवा, आमचोक, खोटाङ्ग, छुलुवार, सावा, दिप्लुङ, चुइचुम्मा, रतन्छा, खाम्तेल, हलेशी आ रावाथुम प्रशासनिक एकाई कायम छल। विशाल क्षेत्र होमएसँ साप्सु दक्षिणमे खोटाङ्ग इलाका अदालत आ ऐशेलुखर्क इलाका अदालत स्थापना करि न्याय प्रशासनक अतिरिक्त जग्गा रजिस्ट्रेशन करैके काम सेहो करैके सुरु भेल।

वि.स. २०१८ साल वैशाख १ गते नेपालक १४ अञ्चल आ ७५ जिलामे विभाजन करैत तत्कालिन खोटाङ्गद्वारा देख्ल जाइवाला आम्चोक आ सिक्तेल थुम भोजपुर देखनाइ आ रावापारिक क्षेत्र सोलुखुम्बु देखनाइ आ बाँकी क्षेत्र खोटाङ्ग देखैत खोटाङ्ग बजारक सदरमुकाम बनाक खोटाङ्ग जिला सेहो एक जिला कायम कएल गेल। ओ बखत ई जिलाक मध्य भागसँ बहैवाला साप्सुखोला सँ उत्तरतर्फ २३ गाउँ पञ्चायत आ दक्षिणतर्फ २२ गाउँ पञ्चायत रहल छल।


तत्कालिन संविधान बमोजिम एक गाम पञ्चायतसँ एक जना जिला सभा सदस्य चुनि पावैक कानूनी प्रावधान होमएसँ जिला सभामे स्वत: साप्सु उत्तरक बहुमत रहल। तत्कालिन पहिल जिला सभाक बैठक ही खोटाङ्गमे रहल सरकारी अड्डा अदालत दिक्तेलमे स्थानान्तरण करै लेल सरकारसँ माग करैत बहुमतसँ निर्णय केलक। खोटाङ्गमे रहल जिला पञ्चायत आ शिक्षा प्रशासन देखैक काम वि.सं. २०२० सालमे दिक्तेलमे सारि विधिवत रूपमे खोटाङ्ग जिलाक सदरमुकाम दिक्तेलमे सारल गेल। २०२२ सालमे तत्कालिन सरकार खोटाङ्ग अदालत दिक्तेलमे आ ऐशेलुखर्क अदालत सोलुसल्लेरीमे सारैके निर्णय केलक तँ तत्पश्चात खोलल गेल कार्यालयसभ क्रमशः दिक्तेलमे ही स्थापना भेल अछि।


नेपालक संविधानक तेसर संसोधन २०३२, खोटाङ्गक सिमाना पुनः हेरफेर करि भोजपुर जिलाक वोपुङ, भाज्याङ्गखर्क, काहुले तथा सोलु जिलाक बाकाचोल, पारा, जलेश्वरी, महेश्वरी, धारापानी, डुम्रे, दुवे, माक्पा, बाङ्गदेल, राखा, ऐंशेलुखर्क, बादेल, दिप्सुङ, लगायत पन्ध्र गाउँ पञ्चायत खोटाङ्गमे जोडि क हालक क्षेत्र तथा सिमाना कायम होमएत गेल अछि। अहिना विस्तार भेल क्षेत्र ही हालधरिक खोटाङ्ग जिला रहल अछि।

जिला कऽ नामाकरण

खोटाङ जिला 
खोटाङ जिला सदरमुकाम दिक्तेलक एक दृश्य

कोनो समय ई भू-भाग किराँती राजा "खोटे" द्वारा शासित कोटक रूपमे छल आ उनके नामसँ खोटाङ्गकोट होमएत "खोटाङ्ग" नाम रहल गेल किम्वदन्ती अछि। दोसर एक जनश्रुती अनुशार हाल खोटाङ बजार रहल स्थान आसपास प्रशस्त खोटे सल्लासभ पावैसँ ई क्षेत्रक खुट्टा कहल जाइ लगल। ई क्षेत्र ओ बखत हालक खुटा कहिक स्थान मात्र नै भ अरु अधिक क्षेत्र समेटने छल। ई क्षेत्रमे ओ बखत "हाङ्ग" नाम करिक प्रतापी राजा राज्य करैत छल। उनके नामसँ बादमे "खुटाका हाङ्ग" राजा कहैत "खुटाहाङ्ग" आ अन्त्यमे "खोटाङ्ग" शब्दक उत्पति भ ई जिलाक नाम "खोटाङ" रहल गेल कहिक भनाई सेहो रहल अछि।

भौगोलिक अवस्थिति

  • अक्षांश — २६० ५०’ सँ २७० २८’ उत्तर
  • देशान्तर — ८६० २६’ सँ ८६० ५९’ पूर्व
  • औसत उचाइ १५२ मीटर सँ ३६२० मिटर धरि

हावापानी

  • औसत हावापानी :– ठण्डा शितोष्ण आ समशितोष्ण
  • औसत तापक्रम :– अधिकतम ३० सँ न्युनतम ५ धरि
  • वार्षिक वर्षा:- १४८ मि.मी. (सदरमुकाममे)

किछु महत्वपूर्ण डाँडाकाँडा

  • मैंयु-२०४६ मि.
  • टयम्के-३००५ मि.
  • मेरुङ्ग-३३४३ मि.
  • रमिते डाँडा मंगलटार
  • नागी डाडा बिजयखर्क
  • पञ्चकन्या देवी डाँडा माला

सदरमुकाम

  • दिक्तेल

सिमाना

  • पूर्वमे-भोजपुर
  • पश्चिममे-ओखलढुङ्गा
  • उत्तरमे-सोलुखुम्बु
  • दक्षिणमे-उदयपुर

राजनीतिक विभाजन

  • निर्वाचन क्षेत्र संख्या:-२
  • इलाका:-१३
  • गा.वि.स.:-७६ छोरम्बु , राजापानी,डाडा गाउँ, बतासे, सप्तेस्वर,चिसापानी, फेदि,मंगलटार विजयखर्क

प्रमुख पर्यटकीय स्थल

ई जिलाक मुख्य पर्यटकिय स्थलसभमे बराहापोखरी, हलेसी महादेव स्थान, ट्याम्केडाँडा, मेरुङ डाँडा आ सेल्मेडाँडा आदी पडैत अछि। एकर साथे हलेसी मलाथुम्की, तुवाचुङ जायजुम, मुढे डाँडा, रूपाकोट डाँडा, मझुवा गढी, ताराखसे डाँडा आ सहदेउ गढी आदि स्थल सेहो पर्यटकीय दृष्टिकोणसँ महत्त्वपूर्ण स्थलक रुपमे रहल अछि।

प्रमुख ताल/ पोखरि

ई जिलाक प्रमुख ताल/ पोखरिमे बराहपोखरी,छिता पोखरी आ इन्द्रेणी पोखरि मुख्य छी।

प्रमुख व्यापारिक महत्व कऽ स्थान

ई जिलाक प्रमुख व्यापारिक स्थानसभमे दिक्तेल बजार,हलेसी, अर्खौले बजार, ऐंसेलुखर्क,बाक्सिला माने भञ्याङ्ग,स्यलगौडे,चिसापानी, सिमपानी,रतन्छा बुइपा पञ्चरदोबाटो माला आ खोटाङ बजार पञ्चमी बजार मंगलटार बजार मुख्य छी।

प्रमुख नदीसभ

विमानस्थलसभ

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत खोटाङ जिला कऽ नक्सा

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत खोटाङ जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि।


सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी

Tags:

खोटाङ जिला जिला कऽ इतिहासखोटाङ जिला जिला कऽ नामाकरणखोटाङ जिला भौगोलिक अवस्थितिखोटाङ जिला किछु महत्वपूर्ण डाँडाकाँडाखोटाङ जिला सदरमुकामखोटाङ जिला सिमानाखोटाङ जिला राजनीतिक विभाजनखोटाङ जिला प्रमुख पर्यटकीय स्थलखोटाङ जिला प्रमुख ताल पोखरिखोटाङ जिला प्रमुख व्यापारिक महत्व कऽ स्थानखोटाङ जिला प्रमुख नदीसभखोटाङ जिला विमानस्थलसभखोटाङ जिला जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत कऽ नक्साखोटाङ जिला सन्दर्भ सामग्रीसभखोटाङ जिला बाह्य जडीसभखोटाङ जिला एहो सभ देखीखोटाङ जिलापूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रसगरमाथा अञ्चल

🔥 Trending searches on Wiki मैथिली:

जूही बब्बरनरगिस (अभिनेत्री)९८अमरसिंह थापाशरतचन्द्र चट्टोपाध्यायकोशी प्रदेशअधिक वर्षहेल बेरीनीता अम्बानीनङ्गा पर्वतरामस्वामी वेंकटरमणकानूनइथियोपियाप्रीतिका रावथियागो सिल्भाअंकअमित शाहहारुकी मुराकामीहिन्दू धर्मशाहरूख खानइन्डोनेशियन भाषागणितजैन धर्मभियतनामक विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक सूचीराज्य सभापरिवार कक्षरवि शास्त्रीसानिया मल्होत्रा५५बाल गंगाधर तिलकजीवशास्‍त्रअरब सागरवान डिरेक्सननिया शर्मारेडियो नेपालघृत कुमारीदिग्विजय सिंहगान्धारीबेडेन पावेलकथकरने देकार्तसटियागोन्यायबालेन शाहजेफ बेजोसइमिनेमहिन्द महासागरसुमित्रा महाजनहजार स्तम्भ मन्दिरकटहर2.0 (चलचित्र)घडीफूलस्टैमफोर्ड ब्रिज (स्टेडियम)चाउरचन्द्रकोट गाउँपालिकाकैलाश पर्वतपुरानो सहर ल्युनेनबर्गथाई भाषाकौआओलम्पिक खेलसुबिन भट्टराईश्री कृष्णगङ्गा नदीशिवविकिपिडियासिटिजन्स बैंक इन्टरनेशनल लिमिटेडएभा डिभाइनअन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समय१५२५🡆 More