बिराटनगर नेपालक महानगरपालिका आ दोसर पैग शहर छी । नेपालक संविधान २०७२ अनुसार ई शहर नेपालक कोशी प्रदेशमे रहल कोशी अञ्चल अन्तर्गत मोरङ जिलाक दक्षिण भागमे अवस्थित अछि । ई नेपालक सबसँ पैग औद्योगिक नगर आ उद्योगिक राजधानी सेहो छी । ई नगर तथा आसपासक क्षेत्रमे बहुतेक सङ्ख्यामे कारखाना, उद्योग तथा व्यवसायसभ अछि । बिराटनगर एक पारवहन तथा वाणिज्य केन्द्र सेहो छी । एतयसँ भारत तथा तेसर राष्ट्रसँ व्यापारिक सामानसभ आयात निर्यात होइत अछि । नेपालक जनगणना २०११ अनुसार जनसङ्ख्याक आधारमे विराटनगर, नेपालक चारिम पैग शहर आ जनघनत्वक आधारमे दोसर पैग शहर छी । ई शहर काठमाडौंसँ ३९९ किमी पूर्वमे आ भारतक बिहार राज्यसँ ६ किमी उत्तरमे अवस्थित अछि । बिराटनगरके सन् २०१७ मई २२ कऽ दिन वीरगञ्ज सङ्गे महानगरपालिका घोषित कएल गेल छल । ई शहरके महानगरपालिका घोषित करैत काल टङ्किसिनवारी आ जहदा-३ मिलाएल गेल छल जहिसँ बिराटनगरक जनसङ्ख्या २,१४,६६३ सँ २,४२,५४८ पहुँचल अछि ।
बिराटनगर Biratnagar गोग्रहा | |
---|---|
देश | नेपाल |
प्रदेश | कोशी प्रदेश |
विकास क्षेत्र | पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र |
अञ्चल | कोशी |
जिला | मोरङ |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ७७ किमी२ (३० वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ८० मिटर (२६० फिट) |
जनसङ्ख्या (बि.स.२०६८) | |
• कुल | २,४२,५४८ |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
पोस्टल कोड | ५६६००, ५६६१३, ५६६१४ |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०२१ |
वेबसाइट | बिराटनगर महानगरपालिका |
ई शहरमे पौराणिक कालक विराट राजाक दरवार आ राजधानी रहल आ हुनकरे नामसँ विराटनगरक नाम रहल विश्वास कएल जाइत अछि । वि.सं. १९७५ धरि ई ठाम गोग्राहा कऽ नामसँ जानल जाइत छल । विराटनगरक पुरान नाम गोग्राहा छी । वि.स. १९७१ मे वडाहाकिम जित बहादुर खत्री बिराटनगर शहरक परिकल्पना करि मोरङ जिलाक सदरमुकाम रङ्गेलीसँ सरकारी गोश्वारा, माल, अमिन, वनजाँच, चिट्ठी, अडिटर, जेल आ अस्पताल बिराटनगर स्थानान्तरण केनए छल मुदा एकर नामाकरण शिकार खेलैलेल काठमाडौंसँ मोरङ आएल केशर शम्सेर जबरा केनए छल । अपन मोरङ दौडाहाक समयमे भेडियारीमे भेटल विराट राजाक दरवारक भग्नावशेषक दृष्टिगत करि केशर शम्सेर गोग्राहासँ विराटनगर नामाकरण केनए छल । वि.सं.१९७१ मे रङ्गेलीसँ विराटनगरमे जिला सदरमुकाम (तत्कालिन गौडा) आनलाक बाद विराटनगर शहरक स्वरूप परिवर्तित होमए लागल । बडाहाकिम खत्रीके उत्तराधिकारी कर्णेल शिवप्रताप शमशेर थापा विराटनगर निर्माणमे अपन सम्पूर्ण योगदान देनए छल । बिराटनगरमे कृष्णप्रसाद कोइराला, भारतीय मारवाडीसभ बोलाए व्यापारिक वातावरण बनेनाए छल । कृष्णप्रसाद कोइराला, सुब्बा गुञ्जमान, डिट्ठठा कृष्णराज, हनुमानदास, सुब्बा कालिदास, सुबेदार अनन्तराम कऽ विशेष योगदानसँ वि.सं. १९७२ मे सदरमुकाम बिराटनगर आएल छल ।बिराट शब्दक अर्थ पैग आ नगर शब्दक अर्थ शहर होइत अछि ।
नेपालक भूभाग बिराटनगरमे पहिल राणा बिरोधी आन्दोलनक आरम्भ सन् १९४७ मार्च ४ कऽ दिन विराटनगर जुट मिल हड़तालक रुपमे भेल जकर नेतृत्व मिलक कर्मचारी बनि गिरिजाप्रसाद कोइराला तारणी प्रसाद कोइराला, मन मोहन अधिकारी आ युवराज अधिकारी केनए छल ।किछ दिन बाद ई आन्दोलनमे विश्वेश्वरप्रसाद कोइराला जुड़ल आ आन्दोलन वृहत बनाए नेपालसँ राणा शासनक अन्त केलक ।
बिराटनगरसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य शहरसभ हवाई आ सड़क यातायातसँ जुडल अछि । बिराटनगर विमानस्थलसँ पूर्वी नेपालक पहाडी दुर्गम स्थानसभ आ नेपालक मुख्य शहरसभधरि हवाई सम्पर्क अछि । यातायातक मुख्य केन्द्रक रूपमे रहल बिराटनगर शहरक दक्षिणी सिमाना भारतक अररिया जिलाक जोगबनीमे वि.सं. १९६८ सँ रेल सेवा सञ्चालन होमए लागल ।
बिराटनगरक अधिकतम तापक्रम ४३.० °से (१०९.४ °फे) सन् १९९२ अप्रैल १४ कऽ दिन तापमान कएल गेल छल आ न्यूनतम तापक्रम −१.० °से (३०.२ °फे) सन् १९७० दिसम्बरमे तापमान कएल गेल छल ।
महिना | जन | फर | मार्च | अप्रैल | मई | जुन | जुलाई | अगस्त | सित | अक्टु | नव | दिस | वर्ष |
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
अधिकतम °से (°फे) औषत | २२٫७ (७३) | २६٫१ (७९) | ३०٫९ (८८) | ३३٫९ (९३) | ३३٫३ (९२) | ३२٫९ (९१) | ३२٫१ (९०) | ३२٫५ (९१) | ३२٫१ (९०) | ३१٫६ (८९) | २९٫३ (८५) | २५٫४ (७८) | ३०٫२ (८६) |
दैनिक औषत °से (°फे) | १५٫८ (६०) | १८٫६ (६५) | २३٫३ (७४) | २७٫१ (८१) | २८٫३ (८३) | २९٫० (८४) | २८٫८ (८४) | २९٫२ (८५) | २८٫४ (८३) | २६٫४ (८०) | २२٫३ (७२) | १८٫० (६४) | २४٫६ (७६) |
न्यूनतम °से (°फे) औषत | ९٫० (४८) | ११٫१ (५२) | १५٫६ (६०) | २०٫४ (६९) | २३٫३ (७४) | २५٫२ (७७) | २५٫६ (७८) | २५٫८ (७८) | २४٫७ (७६) | २१٫१ (७०) | १५٫३ (६०) | १०٫५ (५१) | १९٫० (६६) |
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) | ११٫७ (०٫४६) | १३٫२ (०٫५२) | १३٫२ (०٫५२) | ५३٫१ (२٫०९) | १८६٫० (७٫३२) | ३०२٫४ (११٫९१) | ५३०٫८ (२०٫९) | ३७८٫३ (१४٫८९) | २९८٫८ (११٫७६) | ९१٫८ (३٫६१) | ५٫९ (०٫२३) | ६٫६ (०٫२६) | १,८९१٫८ (७४٫४७) |
स्रोत: जल तथा मौसम पूर्वानुमान विभाग (नेपाल) |
बिराटनगर शहर समुन्द्र सतहसँ ७० मिटर (२२९ फिट) उपर अछि ।
नेपालक वि.सं. २०६८ कऽ जनगणना अनुसार बिराटनगरक जनसङ्ख्या २,४२,५४८ रहल अछि ।जाहिमे पुरुष ५३% आ महिला ४७% अछि । ई शहरमे नेपालक प्राय: सब जातजातिक लोकसभक बसोबास अछि । बि.सं. २०५८ कऽ जनसङ्ख्याक अनुसार बिराटनगरक जनसङ्ख्या करिब २ लाख देखल गेल अछि । नेपालक भौगोलिक रूपसँ बिराटनगर तराईक गर्मी क्षेत्र रहलाक बादो जनघनत्व बहुत बेसी अछि ।
बिराटनगर पूर्वाञ्चलक शैक्षिक केन्द्रक रूपमे देखल जाइत अछि । पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय सहित मेडिकल कलेज आ इन्जीनियरिङ कलेज लगायत बहुतेक शैक्षिक संस्थासभ बिराटनगरमे स्थापित अछि ।
विकिमिडिया कमन्समे बिराटनगरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
This article uses material from the Wikipedia मैथिली article बिराटनगर, which is released under the Creative Commons Attribution-ShareAlike 3.0 license ("CC BY-SA 3.0"); additional terms may apply (view authors). CC BY-SA 4.0 कऽ अन्तर्गत विषय सूची उपलब्ध अछि । Images, videos and audio are available under their respective licenses.
®Wikipedia is a registered trademark of the Wiki Foundation, Inc. Wiki मैथिली (DUHOCTRUNGQUOC.VN) is an independent company and has no affiliation with Wiki Foundation.