कोनो एक भाषा या अनेक भाषासभके लिखैक लेल प्रयुक्त मानक प्रतीकसभक क्रमबद्ध समूहके वर्णमाला (=वर्णसभक माला या समूह) कहैत अछि। उदाहरणक लेल देवनागरीक वर्णमालामे अ, आ, इ, ई, उ, ऊ, ऋ, ऋ, लृ, लृ्, ए, ऐ, ओ, औ, अं, अः, क , ख , ग , घ , ङ । च , छ , ज , झ , ञ । ट , ठ , ड , ढ , ण । त , थ , द , ध , न । प , फ , ब , भ , म । य , र , ल , व । श , ष , स आ हके 'देवनागरी वर्णमाला' कहैत अछि आ a, b, c, d ...
z के रोमन वर्णमाला (रोमन अल्फाबेट) कहैत अछि ।
वर्णमाला एहि मान्यता पर आधारित अछि कि वर्ण, भाषामे आबैवाला मूल ध्वनिसभ (स्वनिम या फोनिम)क प्रतिनिधित्व करैत अछि । ई ध्वनिसभ या त ओ अक्षरसभक वर्तमान उच्चारण पर आधारित होइत अछि या फेर ऐतिहासिक उच्चारण पर । मुदा वर्णमालाक मात्र लिखैक अन्य तरिकासभ सेहो जेना शब्द-चिह्न (लोगोग्राफी), सिलैबरी आदि । शब्द-चिह्ननमे प्रत्येक लिपि चिह्न पुरा-क-पुरा शब्द, रूपिम (morpheme) या सिमान्टिक इकाईक निरूपित करैत अछि । याह रुपेन सिलैबरीमे प्रत्येक लिपि चिह्न कोनो अक्षर (syllable (वर्ण नै))क निरूपित करैत अछि ।
प्रत्येक वर्णमालामे दुई प्रकारक वर्ण होइत अछि स्वर वर्ण तथा व्यञ्जन वर्ण। व्यञ्जनक संग स्वर लगाबैक भिन्न तरिकासभक आधार पर वर्णमालासभके तीन वर्गमे बांटल जाइत अछि:
'वर्णमाला' के अङ्ग्रेजीमे 'ऐल्फाबेट' (alphabet) कहैत अछि । अरबी, फारसी, कुर्दी आ मध्य पूर्वक अन्य भाषासभमे एकरा 'अलिफ-बेई' या मात्र 'अलिफ-बे' कहैत अछि (जे अरबी-फारसी लिपिक पहिल दुई अक्षरसभक नाम छी)।
This article uses material from the Wikipedia मैथिली article वर्णमाला, which is released under the Creative Commons Attribution-ShareAlike 3.0 license ("CC BY-SA 3.0"); additional terms may apply (view authors). CC BY-SA 4.0 कऽ अन्तर्गत विषय सूची उपलब्ध अछि । Images, videos and audio are available under their respective licenses.
®Wikipedia is a registered trademark of the Wiki Foundation, Inc. Wiki मैथिली (DUHOCTRUNGQUOC.VN) is an independent company and has no affiliation with Wiki Foundation.