अब्दुल कलाम

अबुल पकिर जैनुलाअबदीन अब्दुल कलाम या डाक्टर एपिजे अब्दुल कलाम (अङ्ग्रेजी: A.

P. J.Abdul Kalam; /ˈæbdʊl kəˈlɑːm/; १५ अक्टुबर १९३१ – २७ जुलाई २०१५) जे मिसाइल म्यानजनताक राष्ट्रपति कऽ नामसँ जानल जाइत छल, भारतीय गणतन्त्रक एगारहम निर्वाचित राष्ट्रपति छलाह । ओ भारतक पूर्व राष्ट्रपति, जानल मानल वैज्ञानिकअभियन्ताक (इन्जिनियर) रूपमे विख्यात छल । ओ मुख्य रूप सँ एकटा वैज्ञानिक आ विज्ञानक व्यवस्थापकक रूपम चारि दशक धरि रक्षा अनुसन्धान एवम् विकास सङ्गठन (डिआरडिओ) आ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनक (इसरो) नेतृत्व केनए छल आ भारतक नागरिक अन्तरिक्ष कार्यक्रम आ सैन्य मिसाइलक विकासक प्रयासमे सेहो सामिल रहए । ओ ब्यालेस्टिक मिसाइल आ प्रक्षेपण यान प्राविधिकक विकासक कार्यकें लेल भारतमे मिसाइल म्यानक रूपमे जानल जाएत अछि ।

एपिजे अब्दुल कलाम
A. P. J.Abdul Kalam
अब्दुल कलाम
अब्दुल कलाम
भारतक ११हम राष्ट्रपति
प्रधानमन्त्रीअटल बिहारी वाजपेयी
मनमोहन सिंह
उप राष्ट्रपतिकृष्ण कान्त भैरोंसिंह शेखावत
पूर्वाधिकारीकेआर नारायणन
उतराधिकारीप्रतिभा पाटिल
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९३१-१०-१५)१५ अक्टुबर १९३१
रामेश्वरम, मद्रास रियासत, ब्रिटिश राज (वर्तमान तमिलनाडु, भारत)
मृत्यु २७ जुलाई २०१५( २०१५-०७-२७) (८३ वर्ष)
शिलोङ्ग, मेघालय, भारत
अलमा मेटर सेन्ट जोसेफ कौलेज
मद्रास संस्थान अफ टेक्नोलोजी
व्यावसायिक पेशा प्राध्यापक, लेखक, वैज्ञानिक
एयरोस्पेस इन्जिनियर
धर्म इस्लाम
पुरस्कार अब्दुल कलाम पद्म भूषण (१९८१)
अब्दुल कलाम पद्म विभूषण (१९९०)
अब्दुल कलाम भारत रत्न (१९९७)
हुभर मेडल (२००९)
एनएसएस भन ब्राउन पुरस्कार (२०१३)
उल्लेखनीय काज(सभ) विङ्ग्स अफ फायर, इन्डिया २०२०, इग्निटेड माइन्ड्स, इन्डोमिटेबल स्पिरिट, ट्रान्सकेनडेन्स: माई स्पिरिचुअल एक्स्पेरियन्स विथ प्रमुख स्वामीजी
हस्ताक्षर अब्दुल कलाम
वेबसाइट abdulkalam.com

कलाम सन् १९७४ मे भारतद्वारा पहिल मूल परमाणु परीक्षणक बादसँ दोसर बेर सन् १९९८ मे भारतके पोखरान-द्वितीय परमाणु परीक्षणमे एकटा निर्णायक, सङ्गठनात्मक, प्राविधिक आ राजनैतिक भूमिका निर्वाह केनए छल ।

कलाम सत्तारूढ़ भारतीय जनता पार्टी आ विपक्षी भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेस दुनुक समर्थनक सङ्गे सन् २००२ मे भारतक राष्ट्रपति चुनल गेल छल । पाँच वर्षक सेवा अवधि बाद, ओ शिक्षा, लेखन आ सार्वजनिक सेवाकें अपन नागरिक जीवनमे पुनः आएल । कलाम भारत रत्न, भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान सहित बहुतो प्रतिष्ठित पुरस्कार प्राप्त सेहो केनए छल ।

प्रारम्भिक जीवन

सन् १९३१ अक्टुबर १५ कऽ दिन धनुषकोड़ी गाम (रामेश्वरम, तमिलनाडु)मे एक मध्यमवर्ग मुस्लिम परिवारमे हिनकर जन्म भेल छल ।,आ हिनकर पिता जैनुलाब्दीन नइँ तँ बहुतेक पढ़ल-लिखल छल, नइँ तँ बेसी पैसा वला छल । हिनकर पिता मलाहसभके नाह भाडा पऽ दैत छल । अब्दुल कलाम संयुक्त परिवारमे रहैत छल । परिवारक सदस्यसभक सङ्ख्याक अनुमान यएह बातसँ लगाएल जा सकैत अछि कि हिनकर स्वयं पाँच भाए आ पाँच बहीन आ घरमे तीन परिवारसभ रहैत छल । अब्दुल कलामक जीवन पर हुनकर पिताक बड्ड प्रभाव रहल । ओ पढ़ल-लिखल नै भेलाक बादो कलामक लगन आ हुनकर देल संस्कार अब्दुल कलामके बहुत काज आएल । पाँच वर्षक अवस्थामे रामेश्वरमक पञ्चायत प्राथमिक विद्यालयमे हुनकर दीक्षा-संस्कार भेल छल । हुनकर शिक्षक इयादुराई सोलोमन हुनका कहैत छेलखिन कि जीवनमे सफलता तथा अनुकूल परिणाम प्राप्त करै लै तीव्र इच्छा, आस्था, अपेक्षा ई तीन शक्तिसभक बड्ड निक जका समझि लेनाई आ ओही पर प्रभुत्व स्थापित करबाक चाहि ।

वैज्ञानिक जीवन

यह मेरा पहला चरण था; जिसमें मैंने तीन महान शिक्षकों-डॉ विक्रम साराभाई, प्रोफेसर सतीश धवन और डॉ ब्रह्म प्रकाश से नेतृत्व सीखा। मेरे लिए यह सीखने और ज्ञान के अधिग्रहण के समय था।

- अब्दुल कलाम
अब्दुल कलाम 
आइआइटी, गुवाहाटीमे अभियान्त्रिकीके छात्रसभ कऽ सम्बोधित करैत अब्दुल कलाम

सन् १९६२ मे ओ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनसँ जुड़लखिन । डाक्टर अब्दुल कलामक परियोजना महानिदेशकके रूपमे भारतक पहिल स्वदेशी उपग्रह (एस.एल.वी. तृतीय) प्रक्षेपास्त्र बनेबाक श्रेय प्राप्त भेलै। १९८०मे हिन्का द्वारा रोहिणी उपग्रहक पृथ्वीक कक्षके निकट स्थापित कएल गेल छल। अही प्रकार भारत सेहो अन्तर्राष्ट्रीय अन्तरिक्ष क्लब क सदस्य बनल। इसरो लॉन्च व्हीकल प्रोग्रामकs उपर चढ़ाबक श्रेय सेहो हिन्का प्रदान कएल जाइत अछि। डाक्टर कलाम स्वदेशी लक्ष्य भेदी नियन्त्रित प्रक्षेपास्त्र (गाइडेड मिसाइल्स)क डिजाइन केलखिन। इ अग्नि एवं पृथ्वी जका प्रक्षेपास्त्रसभक स्वदेशी तकनीकसँ बनाएल गेल छल। डाक्टर कलाम जुलाई १९९२सँ दिसम्बर १९९९ धरि रक्षा मन्त्रीके विज्ञान सलाहकार तथा सुरक्षा शोध आर विकास विभागक सचिव छेलखिन। ओ रणनीतिक प्रक्षेपास्त्र प्रणालीक उपयोग आग्नेयास्त्रसभक रूपमे केलखिन। अही प्रकार पोखरणमे दोसर बेर परमाणु परीक्षण सेहो परमाणु ऊर्जाके साथ मिलाकs केएने छल। अही प्रकार भारत दवार परमाणु हथियारक निर्माणकs क्षमता प्राप्त करsमे सफलता अर्जित केलक। डाक्टर कलाम भारतके विकासस्तरकs २०२० धरि विज्ञानक क्षेत्रमे अत्याधुनिक करsके लेल एक विशिष्ट सोच प्रदान केएने अछि।

राजनैतिक जीवन

अब्दुल कलाम 
भ्लादिमिर पुटिनमनमोहन सिंहक सङ्ग डाक्टर अब्दुल कलाम- २६ जनवरी २००७

डाक्टर अब्दुल कलाम भारतक एगारहम राष्ट्रपति निर्वाचित भेल छेलखिन। हिन्का भारतीय जनता पार्टी समर्थित एन॰डी॰ए॰ घटक दलसभ दवारा अपन उम्मीदवार बनाओल गेल छल जकरा वामदलक अलावा समस्त दलसभ दवारा समर्थन कएल गेल छल। १८ जुलाई २००२ कs डाक्टर कलाम के नवम प्रतिशत बहुमत द्वारा भारतक राष्ट्रपति चुनल गेल छल आर हिन्का २५ जुलाई २००२ कs संसद भवनक अशोक कक्षमे राष्ट्रपति पदक शपथ दिएल गेलै।

२००० वर्षों के इतिहास में भारत पर ६०० वर्षों तक अन्य लोगों ने शासन किया है। यदि आप विकास चाहते हैं तो देश में शांति की स्थिति होना आवश्यक है और शांति की स्थापना शक्ति से होती है। इसी कारण प्रक्षेपास्त्रों को विकसित किया गया ताकि देश शक्ति सम्पन्न हो।

अब्दुल कलाम
अब्दुल कलाम 
आई एन एस सिंधुरक्षक पर तत्कालीन भारतीय राष्ट्रपति कलाम

राष्ट्रपति दायित्वसँ मुक्तिके बाद

राष्ट्रपती कार्यालय छोड़लाक बाद, कलाम भारतीय प्रबन्धन संस्थान शिलोंग, भारतीय प्रबन्धन संस्थान अहमदाबाद, भारतीय प्रबन्धन संस्थान इन्दोर आ भारतीय विज्ञान संस्थान,बैंगलोरके मानद फैलो, आ एक विजिटिङग प्रोफेसर बनि गेलखिन।

निधन

...मैं यह बहुत गर्वोक्ति पूर्वक तो नहीं कह सकता कि मेरा जीवन किसी के लिये आदर्श बन सकता है; लेकिन जिस तरह मेरी नियति ने आकार ग्रहण किया उससे किसी ऐसे गरीब बच्चे को सांत्वना अवश्य मिलेगी जो किसी छोटी सी जगह पर सुविधाहीन सामजिक दशाओं में रह रहा हो। शायद यह ऐसे बच्चों को उनके पिछड़ेपन और निराशा की भावनाओं से विमुक्त होने में अवश्य सहायता करे।

सूक्तियाँ - अब्दुल कलाम

२७ जुलाई २०१५कs साझ अब्दुल कलाम भारतीय प्रबन्धन संस्थान शिलोङगमें 'रहि योग्य ग्रह' (en:Livable Planet) पर एक व्याख्यान दs रहल छेलखिन जहन हुन्का जोरदार कार्डियक अरेस्ट (दिल कs दौरा) पड़ल आर ओ बेहोश भs खसि पड़लखिन। आर लगभग ६:३० बजे गम्भिर हालतमे हुन्का बेथानी अस्पतालमे आईसीयूमे लS जाए पड़लै आर करीब दू घन्टाक बाद हुन्कर मृत्युक पुष्टि कs देल गेल।अस्पतालक सीईओ जॉन साइलो बतेलखिन जे जहन कलाम के अस्पताल आनल गेल तहन हुनकर नब्ज आर ब्लड प्रेशर साथ छोड़ि चुकल छेलै। अपन निधन सँ लगभग 9 घण्टे पहिनेहे ओ ट्वीट कs क बतेने छेलखिन जे ओ शिलोंग आईआईएममे लेक्चर दइ ले जा रहल छथुन्ह।

अन्तिम सन्स्कार

मृत्युके तुरन्त बाद कलामके शरीरकS भारतीय वायु सेनाके हेलीकॉप्टरसँ शिलोंगसँ गुवाहाटी लाएल गेल। जहि ठाम दोसर दिन २८ जुलाईक पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलामक पार्थि‍व शरीर मंगलदिन दुपहर वायुसेनाके विमान सी-130जे हरक्यूलिससँ दिल्ली लाएल गेल। लगभग १२:१५ पर विमान पालम हवाईअड्डा पर उतरल। सुरक्षा बल दवारा पूरे राजकीय सम्मानके साथ कलामक पार्थिव शरीरकs विमानसँ उतारि।ओही ठाम प्रधानमन्त्री नरेद्र मोदी, राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी, दिल्लीके मुख्यमन्त्री अरविन्द केजरीवाल उ तीनु सेनासभक प्रमुख दवारा अगवानी करि आर कलामके पार्थिव शरीर पर पुष्पहार अर्पित केलक। एकर बाध तिरङ्गामे लिपटल डॉ. कलामके पार्थि‍व शरीर कs पूरे सम्मानके साथ, एक गन कैरिजमे राखि हुन्कर आवास १० राजाजी मार्ग पर लsगेल छल।

२९ जुलाईक भोर वायुसेना विमान सी-130जे सँ भारतीय ध्वजमे लपेटल कलामक शरीरक पालम एयर बेस परसँ मदुरै होइत फेर हुन्कर गृह स्थान रामेश्वरममे अन्तिम दर्शनक बाध

३० जुलाई २०१५ कs पूर्व राष्ट्रपतिके पूरा सम्मानक साथ रामेश्वरमके पी करूम्बु ग्राउन्डमे दफ़ना देल गेल। जहिमे प्रधानमन्त्री मोदी, तमिलनाडुके राज्यपाल आर कर्नाटक, केरल आर आन्ध्र प्रदेशके मुख्यमन्त्रीसभ सहित ३,५०,००० सँ अधिक लोकसभ दवारा अन्तिम सन्स्कारमे सम्मिलित छल।

प्रतिक्रिया

अब्दुल कलाम 
अब्दुल कलामक निधन पर काला रिबन देखावल गेल गूगलक मुख्यपृष्ठ

कलामके निधनसँ देश भरिमे आर सोशल मीडियामे पूर्व राष्ट्रपतिकs श्रद्धांजलि देबsके लेल अनेक कार्य कएल गेल। भारत सरकार दवारा कलामक सम्मान देबsके लेल सात दिवसीय राजकीय शोकक घोषणा केएने छल।

व्यक्तिगत जीवन

डाक्टर कलाम अपन व्यक्तिगत जीवनमे खुब निक जका अनुशासनक पालन करsवलामे सँ छ्लाह। ऐहनो कहल जाईत अछि कि हुन्का क़ुरान आर भगवद् गीता दुनुक अध्ययन करैत छल।

किताबसभ

डाक्टर कलाम साहित्यिक रूपसँ सेहो अपन विचारसभकs चारि पुस्तकसभमे समाहित कएने अछि, जे इ प्रकार अछि: 'इन्डिया २०२० अ विज़न फ़ॉर द न्यू मिलेनियम', 'माई जर्नी' तथा 'इग्नाटिड माइंड्स- अनलीशिंग द पॉवर विदिन इन्डिया'।

    "सबसे उत्तम कार्य क्या होता है? किसी इंसान के दिल को खुश करना, किसी भूखे को खाना देना, जरूरतमंद की मदद करना, किसी दुखियारे का दुख हल्का करना और किसी घायल की सेवा करना..."
-अब्दुल कलाम

कलाम साहबक प्रमुख पुस्तकसभ अही प्रकार अछि:

चिन्तनपरक रचनासभ

  • इग्नाइटेड माइन्डस: अनलीशिंग द पावर विदीन इन्डिया : (पेंग्विन बुक्स, 2003) ISBN 0-14-302982-7
  • इन्डिया- माय-ड्रीम : (एक्सेल बुक्स, 2004) ISBN 81-7446-350-X
  • एनविजनिंग अन एमपावर्ड नेशन: टेक्नालजी फार सोसायटल ट्रांसफारमेशन : (टाटा मैक्ग्राहिल प्रकाशन, 2004) ISBN 0-07-053154-4

आत्मकथात्मक रचनासभ

    • विंग्स अफ फायर: एन आटोबायोग्राफी अफ एपीजे अब्दुल कलाम : सह लेखक - अरुण तिवारी, (ओरियेंट लांगमैन, 1999) ISBN 81-7371-146-1
    • साइंटिस्ट टू प्रेसिडेंट : (ज्ञान पब्लिशिंग हाउस, 2003) ISBN 81-212-0807-6

जीवनी

अन्य लेखक द्ववारा डाक्टर कलामक जीवनी या जीवनके विविध पहलुसभ पर पुस्तकसभ लिखल गेल अछि जाहिमे किछ प्रमुख निम्नवत अछि:

  • इटरनल क्वेस्ट: लाइफ ऐंड टाइम्स अफ डाक्टर अवुल पकिर जैनुलाआबदीन अब्दुल कलाम एस चंद्रा कृत - (पेंटागन पब्लिशर्स, 2002) ISBN 81-86830-55-3
  • प्रेसिडेंट एपीजे अब्दुल कलाम आर॰ के॰ पूर्ति - (अनमोल पब्लिकेशन्स, 2002) ISBN 81-261-1344-8
  • ए॰ पी॰ जे॰ अब्दुल कलाम: द विजनरी अफ इन्डिया' के॰ भूषण एवं जी॰ कात्याल - (एपीएच पब्लिशिंग कार्पोरेशन, 2002) ISBN 81-7648-380-X

पुरस्कार आ सम्मान

डाक्टर कलामक ७९अम जन्म दिनक अवसरमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घद्वारा विश्व विद्यार्थी दिवस क रूपमे मनाओल गेल छल । एकर बाधो ओ लगभग चालीस विश्वविद्यालयसभ द्वारा मानद डाक्टरेटक उपाधिसभ प्रदान कएल गेल छल भारत सरकार द्ववारा हुनका सन् १९८१ मे पद्म भूषण आ सन् १९९० मे पद्म विभूषणद्वारा सम्मानित कएल गेल छल । हुनका इसरो आ डिआरडिओ नामक दुई वैज्ञानिक संस्थामे अपन कार्यकालमे वैज्ञानिक उपलब्धिसभक लेल तथा भारत सरकारक वैज्ञानिक सलाहकारक रूपमे कार्य हेतु प्रदान कएल गेल छल ।

सन् १९९७ मे कलाम साहबके भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न प्रदान कएल गेल छल जे हुनका वैज्ञानिक अनुसन्धान आ भारतमे प्राविधिकसभक विकासमे अभूतपूर्व योगदान हेतु देल गेल छल ।

वर्ष २००५ मे स्विजरल्याण्डक सरकार डाक्टर कलामके स्विजरल्याण्ड आगमनक उपलक्ष्यमे २६ मई के विज्ञान दिवस घोषित केनए छल । कलाम नेशनल स्पेस सोसाइटी वर्ष सन् २०१३ मे अन्तरिक्ष विज्ञान सम्बन्धित परियोजनासभक कुशल सञ्चालन आ प्रबन्धनक लेल वन ब्राउन अवार्ड सँ पुरस्कृत भेल छलाह ।

सम्मानक वर्ष सम्मान/पुरस्कारक नाम प्रदाता संस्था
२०१४ डाक्टर अफ साइन्स एडिनबर्ग विश्वविद्यालय, संयुक्त अधिराज्य
२०१२ डाक्टर अफ लज (मानद उपाधि) साइमन फ्रेजर विश्वविद्यालय
२०११ आइइइई मानद सदस्यता आइइइई
२०१० डाक्टर अफ इन्जिनियरिङ युनिवर्सिटी अफ वाटरलु
२००९ मानद डाक्टरेट अकल्याण्ड विश्वविद्यालय
२००९ हुभर मेडल एएसएमई फाउन्डेशन, (अमेरिका)
२००९ वन कार्मन विङ्ग्स अन्तर्राष्ट्रिय अवार्ड क्यालिफोर्निया इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजी, (अमेरिका)
२००८ डाक्टर अफ इन्जिनियरिङ (मानद उपाधि) नानयाङ टेक्नोलोजिकल विश्वविद्यालय, सिङ्गापुर
२००८ डाक्टर अफ साइन्स (मानद उपाधि) अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय, अलीगढ़
२००७ डाक्टर अफ साइन्स एण्ड टेक्नोलोजी क मानद उपाधि कार्नेगी मेलन विश्वविद्यालय
२००७ किङ्ग चार्ल्स II मेडल रोयल सोसायटी, संयुक्त अधिराज्य
२००७ डाक्टर अफ साइन्स क मानद उपाधि वोभरह्याम्प्टन विश्वविद्यालय, संयुक्त अधिराज्य
२००० रामानुजन पुरस्कार अल्वार्स शोध संस्थान, चेन्नई
१९९८ वीर सावरकर पुरस्कार भारत सरकार
१९९८ इन्दिरा गाँधी राष्ट्रीय एकता पुरस्कार भारतीय राष्ट्रीय काँग्रेस
१९९७ भारत रत्न भारत सरकार
१९९४ विशिष्ट शोधार्थी इन्स्टिच्युट अफ डायरेक्टर्स (इन्डिया)
१९९० पद्म विभूषण भारत सरकार
१९८१ पद्म भूषण भारत सरकार

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी

Tags:

अब्दुल कलाम प्रारम्भिक जीवनअब्दुल कलाम वैज्ञानिक जीवनअब्दुल कलाम राजनैतिक जीवनअब्दुल कलाम राष्ट्रपति दायित्वसँ मुक्तिके बादअब्दुल कलाम निधनअब्दुल कलाम व्यक्तिगत जीवनअब्दुल कलाम किताबसभअब्दुल कलाम जीवनीअब्दुल कलाम पुरस्कार आ सम्मानअब्दुल कलाम सन्दर्भ सामग्रीसभअब्दुल कलाम बाह्य जडीसभअब्दुल कलाम एहो सभ देखीअब्दुल कलाम

🔥 Trending searches on Wiki मैथिली:

सोनिया गान्धीह्युगो चाभेजरोवान एटकिनसनगौतम अदानीएचटिएमएलअंशा सयद२०१८आईएसआईएसबीकानेर जिला२३ जुलाईमेलिना राईचिरायतातमन्ना भाटियाशिबानी दान्डेकरकनिका कपूरविकिपिडियापारुल यादवमैथिली भाषासुदुरपश्चिम प्रदेश प्रदेशसभा निर्वाचन, २०७९कुम्भलगढ किलामहिनाअमरिन्दर सिंहबुआरी२०२० बेरुत विस्फोटनेहा भासिन१४७५ज्ञानेन्द्र शाहबीकानेरविनायक दामोदर सावरकरचारमीनारसम्भोगनरेन्द्र मोदीइस्लामशिवाङ्गी जोशीअंजोरी अलघकियारा आडवाणीजापान१ वर्ल्ड ट्रेड सेन्टरविज्ञानके इतिहाससुहाना खानदुरेफिशाँ सलीमउपग्रहनेल्सन मन्डेलानिकितिन धीरदिशा वकानीउदय मंडलमृणाल ठाकुरसुलज्जा फिरोदिया मोटवानीअल्जेरियाकुतैसीसीरियामैसूर महलक्रिस्टियानो रोनाल्डोमुग्धा चाफेकरतिलन्यू योर्क शहरआन्ध्र बैंकआर्मेनियाकुटनीतिज्ञवीरेन्द्र वीर विक्रम शाहप्रथम विश्व युद्धस्वामी दयानन्द सरस्वतीविजयादशमीगौतम बुद्ध१७५४पाल वंशम्यानमारइस्तानबुलजर्जियाजो बाइडेनअनुराधा पौडवाल🡆 More