विभा रानी (१९५९) मैथिलीके ३ साहित्य अकादमी पुरस्कार विजेता लेखकक ४ गोट किताब "कन्यादान" (हरिमोहन झा), "राजा पोखरे में कितनी मछलियां" (प्रभास कुमार चाऊधरी), "बिल टेलर की डायरी" व "पटाक्षेप" (लिली रे) हिन्दीमे अनूदित छन्हि । २ गोट लोककथाक पुस्तक "मिथिला की लोक कथाएं" व "गोनू झा के किस्से"। मैथिली कथा संग्रह "खोहसँ निकसैत"।विभा रानी (१९५९- )लेखक- एक्टर- सामाजिक कार्यकर्ता-बहुआयामी प्रतिभाक धनी विभा रानी राष्ट्रीय स्तरक हिन्दी व मैथिलीक लेखिका, अनुवादक, थिएटर एक्टर, पत्रकार छथि, जिनक दर्ज़न भरि से बेसी किताब प्रकाशित छन्हि आ कएकटा रचना हिन्दी आ र्मैथिलीक कएकटा किताबमे संकलित छन्हि। मैथिली के ३ साहित्य अकादमी पुरस्कार विजेता लेखकक ४ गोट किताब "कन्यादान" (हरिमोहन झा), "राजा पोखरे में कितनी मछलियां" (प्रभास कुमार चाऊधरी), "बिल टेलर की डायरी" व "पटाक्षेप" (लिली रे) हिन्दीमे अनूदित छन्हि। समकालीन विषय, फ़िल्म, महिला व बाल विषय पर गंभीर लेखन हिनक प्रकृति छन्हि। रेडियोक स्वीकृत आवाज़क संग ई फ़िल्म्स डिविजन लेल डॉक्यूमेंटरी फ़िल्म, टीवी चैनल्स लेल सीरियल्स लिखल व वॉयस ओवरक काज केलन्हि। मिथिलाक 'लोक' पर गहराई स काज करैत २ गोट लोककथाक पुस्तक "मिथिला की लोक कथाएं" व "गोनू झा के किस्से" के प्रकाशनक संगहि संग मिथिलाक रीति-रिवाज, लोक गीत, खान-पान आदिक वृहत खज़ाना हिनका लग अछि। हिन्दीमे हिनक २ गोट कथा संग्रह "बन्द कमरे का कोरस" व "चल खुसरो घर आपने" तथा मैथिली में एक गोट कथा संग्रह "खोह स' निकसइत" छन्हि। हिनक लिखल नाटक 'दूसरा आदमी, दूसरी औरत' राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय, नई दिल्ली के अन्तर्राष्ट्रीय नाट्य समारोह भारंगममे प्रस्तुत कएल जा चुकल अछि। नाटक 'पीर पराई'क मंचन, 'विवेचना', जबलपुर द्वारा देश भरमे भ रहल अछि। अन्य नाटक 'ऐ प्रिये तेरे लिए' के मंचन मुंबई व 'लाइफ़ इज नॉट अ ड्रीम' के मंचन फ़िनलैंडमे भेलाक बाद मुंबई, रायपुरमे कएल गेल अछि। 'आओ तनिक प्रेम करें' के 'मोहन राकेश सम्मान' से सम्मानित तथा मंचन श्रीराम सेंटर, नई दिल्लीमे कएल गेल। "अगले जनम मोहे बिटिया ना कीजो" सेहो 'मोहन राकेश सम्मान' से सम्मानित अछि। दुनु नाटक पुस्तक रूप में प्रकाशित सेहो अछि। मैथिलीमे लिखल नाटक "भाग रौ" आ "मदद करू संतोषी माता" अछि। हिनक नव मैथिली नाटक प्रस्तुति छन्हि- बलचन्दा।

विभा 'दुलारीबाई', 'सावधान पुरुरवा', 'पोस्टर', 'कसाईबाड़ा', सनक नाटक के संग-संग फ़िल्म 'धधक' व टेली -फ़िल्म 'चिट्ठी'मे अभिनय केलन्हि अछि। नाटक 'मि. जिन्ना' व 'लाइफ़ इज नॉट अ ड्रीम' (एकपात्रीय नाटक) हिनक टटका प्रस्तुति छन्हि।

'एक बेहतर विश्र्व-- कल के लिए' के परिकल्पनाक संगे विभा 'अवितोको' नामक बहुउद्देश्यीय संस्था संग जुड़ल छथि, जिनक अटूट विश्र्वास 'थिएटर व आर्ट-- सभी के लिए' पर अछि। 'रंग जीवन' के दर्शनक साथ कला, रंगमंच, साहित्य व संस्कृति के माध्यम से समाज के 'विशेष' वर्ग, यथा, जेल- बन्दी, वृद्ध्राश्रम, अनाथालय, 'विशेष' बच्चा सभके बालगृहक संगहि संग समाजक मुख्य धाराल लोकक बीच सार्थक हस्तक्षेप करैत छथि। एतय हिनकर नियमित रूप से थिएटर व आर्ट वर्कशॉप चलति छन्हि। अहि सभक अतिरिक्त कॉर्पोरेट जगत सहित आम जीवनक सभटा लोक आओर लेल कला व रंगमंचक माध्यम से विविध विकासात्मक प्रशिक्षण कार्यक्रम सेहो आयोजित करैत छथि।

नाटक सभ

  • दुलारीबाई
  • सावधान पुरुरवा
  • पोस्टर
  • कसाईबाड़ा

फ़िल्म सभ

  • धधक
  • चिट्ठी

सन्दर्भ सूची

पत्र-पत्रिका मे हिनका मादे मे प्रकाशित आलेख

बाहिरक स्रोत

माउगि - विभा रानी

🔥 Top trends keywords मैथिली Wiki:

सम्मुख पन्नाजन गण मनहनुमान चालीसाअन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समयए आअमिताभ बच्चनजिम्मी कार्टरअब्दुल कलामविकिपिडिया:आइ-काल्हिक घटनासभमैथिली भाषागुस्ताभ आइफिलकमल खत्रीसम्भावना सेठउरी: द सर्जिकल स्ट्राइकरक्षा बन्धनविकिपिडियामीरा (अभिनेत्री)आइएसबिएनमिथिलाविकिपिडिया:परिचयवार्ता:सम्मुख पन्नाफरदीन खानफाइल:Indian Idol 2012 logo.pngऋतुएभा डिभाइनमैसूर महलप्रतिभा पाटिलरक्षा राणामधुबनी, भारतनरेन्द्र मोदीविकिपिडिया:अभ्यास पन्नानेदरल्याण्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिमरबीन्द्रनाथ टेगोरभारतजामुनविद्यापतिशंकर मिश्रफ्रान्सफोनिक्स मारियावैज्ञानिक वर्गीकरण२२ नवम्बरविशेष:मेरे योगदानढाकाअख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग, नेपालदशावतार३१ जनवरीभारतीय स्टेट बैंकनेपालडोनी येनविकिपिडिया:नव पृष्ठ कोना आरम्भ करी?विभा रानीरिद्धि डोगरारकुल प्रीत सिंहफाइल:Amitabh Bachchan December 2013.png९ जनवरीवृन्दावन चन्द्रोदय मन्दिरमई१६ जुलाई१ मईविशेष:मेरी वार्ताताहिर राज भसीनराम नाथ कोविन्दटेरेन्स लुईस (कोरियोग्राफर)स्वामी दयानन्द सरस्वती१ जनवरीलालू प्रसाद यादवहाम्रो पात्रोजुनविकिपिडिया:स्रोत उल्लेखनवम्बरस्वाती रेड्डी२२ जनवरी२३ फरबरी१७ मई२८ दिसम्बर🡆 More