राजविराज (अङ्ग्रेजी: Rajbirajcode: en is deprecated ) पूर्वी नेपालक मधेश प्रदेश अन्तर्गत सप्तरी जिलामे अवस्थित एक शहर छी । ई नेपालक एक प्रसिद्ध शहर होमएक सङ्गे सप्तरी जिलाक सदरमोकाम छी । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बसाएल सप्तरी जिलाक सदरमुकाम राजविराज तराई क्षेत्रक सब सँ पहिल आ अधिराज्यक चारिम नगरपालिका छी । वि.सं.
१९९४ दिस सप्तकोशी नदी जखन पुरान सदरमोकाम हनुमाननगर कटान केनाए सुरु कऽ देलक तखन सदरमुकाम आन ठाम लऽ जेबाक निर्णय कएल गेल आ आ ओकरे फलस्वरूप तत्कालीन बडाहाकिम प्रकाशशमशेर जबरा उपयुक्त ठाम खोजि शहर बसेबाक जिम्मेवारी ख्यातिप्राप्त इन्जिनीयर डिल्लीजङ्ग थापाके देलक । ओ अपन जमीनदारी मौजा रहल जोलहरी मलेठ गाम नजदिक राजपुर मौजामे सदरमुकाम बनेबाक निर्णय केलक । ओ समयमे सुन्दर शहरक रूपमे प्रसिद्धि पाबल भारतक गुलाबी शहर जयपुरक नक्साक आधारमे टाउन प्लानिङ करि वि.सं. १९९८ मे राजविराज शहर बैसाएल गेल छल ।
राजविराज | |
---|---|
शहर | |
Rajbiraj | |
देश | नेपाल |
प्रदेश | मधेश प्रदेश |
जिला | सप्तरी जिला |
वार्ड सङ्ख्या | १६ |
सरकार | |
• कार्यवाहक मेयर | ईशरत प्रवीण |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ५५.६४ किमी२ (२१.४८ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ७६ मिटर (२४९ फिट) |
जनसङ्ख्या (वि.स. २०६८) | |
• कुल | ६९,८०३ |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
डाक कोड | ५४६०० |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३१ |
वेबसाइट | rajbirajmun.gov.np |
वर्तमान राजविराज नगरक नामकरण राजविराजक पूर्वी भागक भलुवाही नदीके किनारमे अवस्थित पुरान इतिहासक प्रख्यात राजदेवी मन्दिरक नामसँ राजविराज नाम रहलगेल बात बहुतेक पुस्तकमे उल्लेख कएल गेल अछि । राजदेवी भगवतीकें सेन राजाक इष्टदेवी मानल जाइत अछि । राजदेवी मन्दिर एतय अवस्थित होमएक कारण एतय सेन राजासभक कचहरी, दरवार, किला रहनाए छी । शहर विकासक लेल आवश्यक आधारसभ भेलाक कारण वि.सं. २०१६ सालमे राजविराजकें नगरपालिका घोषणा कएल गेल । नगरपालिकाक पूर्वमे महादेवा गाउँपालिका आ तिलाठी कोईलाडी गाउँपालिका, पश्चिममे बेल्ही चपेना गाउँपालिका आ रुपनी गाउँपालिका, उत्तरमे रुपनी गाउँपालिका आ कृष्णासवरन गाउँपालिका तथा दक्षिणमे छिन्नमस्ता गाउँपालिका अछि । योजनाबद्ध रूपसँ व्यवस्थित राजविराज नगर व्यवसायिक रूपसँ वि.सं. २०१० सालदिस पूर्वी नेपालको तराई आ पहाडी जिलाक व्यापारिक केन्द्रक रूपमे विकसित भेल । नगरपालिका भितरमे ऐतिहासिक राजदेवी, दुर्गा भगवती, वागेश्वरी भगवती, हनुमान, रामजानकी, राधाकृष्ण, विष्णु, बैष्णवी काली, महादेव जका मठ मन्दिर तथा मुस्लिम समुदाय क जामे मस्जिद आ जैन धर्मावलम्बीसभक मन्दिर अछि ।
नेपालक जयपुरे शहर आ गुलाबी शहरक उपनाम सँ परीचित राजविराज नगरपालिकाक नगर योजना ६० बिघाक प्लटमे तत्कालीन इन्जिनियर डिल्लीजङ्ग थापाद्वारा कएल गेल छल। ओ भारतक गुलाबी सहर कहि जानल जाएवाला जयपुरक नक्साकें आधारमे राजविराजक टाउन प्लानिङ्ग केनए छल । सुरूमे ६० बिघा जमीनमे टाउन प्लानिङ्ग कएल गेल छल मुदा बादमे कर्मचारी आवास बनेवाक आवश्यकता महसुस भेल जकर फलस्वरूप उत्तर दिस २ बिघा आ दक्षिण दिस ८ बिघा जमीन लऽ ७० बिघामे नगर बसाएल गेल छल । प्रत्येक चार घरक पछाड़ी छोट गल्ली, मुख्य सड़क आ सहायक सड़क जोड़वला ठाममे चौक तथा अलग अलग स्थानमे हटिया, किराना दोकान, तरकारी बजार आ सरकारी कार्यालय भवनसभ व्यवस्थित रूपमे मिलाएल गेल अछि ।
राजविराजसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य शहरसभसँ सड़क यातायातसँ जुड़ल अछि । राजविराज विमानस्थल अखन निर्माणाधीन अछि आ सुचारू भेलाक बाद एतयसँ पूर्वी नेपालक पहाडी दुर्गम स्थानसभ आ नेपालक मुख्य शहरसभधरि हवाई सम्पर्क रहत । राजविराज शहरक दक्षिणी सिमाना भारतक सुपौल जिलाक कुनौलीसँ जुड़ल अछि ।
नेपालक जनगणना वि.सं. २०६८ कऽ अनुसार राजविराजक कूल जनसङ्ख्या ६७,२६२ अछि जहिमे पुरुषक सङ्ख्या ३४,६८४ आ महिलाक सङ्ख्या ३२,५७८ अछि । ई शहरक साक्षरता दर ७९.७१% अछि जहिमे पुरुषक साक्षरता दर ८८.४०% आ महिलाक साक्षरता दर ७०.२४% अछि । २०६८ कऽ राष्ट्रिय जनगणना प्रतिवेदन अनुसार राजविराजमे हिन्दू धर्मावलम्बी मुख्य धर्मक रूपमे अछि । मुख्यतया हिन्दू धर्म माननिहारक सङ्ख्या बेसी अछि । हिन्दू धर्मावलम्बीक सङ्ख्या ८७%, मुस्लिम धर्मावलम्बीक सङ्ख्या १०.८९%, जैन धर्मावलम्बीक सङ्ख्या १.२६% अछि तँ शिखक सङ्ख्या ०.६४% रहल अछि । राजविराज शहरमे विभिन्न जातजातिक लोकसभ बसोबास रहल अछि जहिमे कायस्थ, ब्राह्मण, राजपुत, वैश्य, तेली, यादव, बनिया, मारवाड़ी, थारू, लोहार, धानुक आदी अछि ।
राजविराजमे बाजल जाइवला मुख्य भाषा मैथिली छी जे मुख्यतया सम्पूर्ण वर्गक लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि । मैथिली भाषाक बाद सभ सँ बेसी बाजल जाइवला भाषा नेपाली छी । अन्य भाषासभ बहुत कम बाजल जाइत अछि ।
राजविराज नगरपालिकाक जलवायु उष्णकटिबन्धीय अछि । राजविराजक तीन मुख्य मौसम ग्रीष्म, मनसुन आ शरद अछि । नेपालक तराई क्षेत्रमे अवस्थित भेलाक कारण राजविराजक मौसम प्राय गरम होइत अछि । ग्रीष्म ऋतु अप्रैलक सुरुवात संगे सुरू भ अगस्त धरि रहैत अछि आ ई समय ई शहरक तापक्रम २३ °से (७३ °फे) सँ ४४ °से (१११ °फे) धरि पहुँच जाइत अछि । मनसुनक आगमन जुलाईमे होइत अछि आ शरद ऋतुक आगमन अक्टुबरसँ होइत अछि तँ ई मार्च धरि रहैत अछि ।
ठण्डी मौसममे राजविराजक भ्रमण उपयुक्त रहैत अछि । पर्यटकसभ प्राय मध्य सितम्बरसँ अन्तिम मार्चमे एतय आबैलेल पोसन्द करैत अछि । समष्टिगत रूपमे जनवरीसभसँ ठण्डा महिना रहैत अछि तँ जुनसभसँ गरम महिना रहैत अछि ।
महिना | जन | फर | मार्च | अप्रैल | मई | जुन | जुलाई | अगस्त | सित | अक्टु | नव | दिस | वर्ष |
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
अधिकतम °से (°फे) औषत | २१٫५ (७१) | २५٫४ (७८) | २९٫९ (८६) | ३३٫१ (९२) | ३३٫७ (९३) | ३१٫८ (८९) | ३१٫७ (८९) | ३१٫४ (८९) | ३१٫० (८८) | ३०٫२ (८६) | २६٫२ (७९) | २४٫१ (७५) | २९٫१७ (८४٫६) |
न्यूनतम °से (°फे) औषत | ८٫० (४६) | १०٫१ (५०) | १२٫६ (५५) | १८٫४ (६५) | २२٫३ (७२) | २४٫२ (७६) | २४٫६ (७६) | २४٫४ (७६) | २३٫६ (७४) | २०٫८ (६९) | १२٫४ (५४) | ९٫२ (४९) | १७٫५५ (६३٫५) |
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) | १२٫७ (०٫५) | १४٫२ (०٫५६) | १७٫२ (०٫६८) | ५६٫१ (२٫२१) | १८९٫० (७٫४४) | ३२०٫४ (१२٫६१) | ५४५٫८ (२१٫४९) | ३८४٫३ (१५٫१३) | २९९٫८ (११٫८) | ९२٫८ (३٫६५) | ६٫८ (०٫२७) | ५٫४ (०٫२१) | १,९४४٫५ (७६٫५५) |
स्रोत: मौसम पूर्वानुमान विभाग, नेपाल |
राजविराज नेपालक मुख्य शहरसभमे सँ बहुसङ्ख्यक हिन्दू धर्मावलम्बीसँ भरल शहर छी । एतय अवस्थित मन्दिरमे अधिकांश धार्मिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक गतिविधि देखल जा सकैत अछि । राजविराज नगरक्षेत्रमे राजदेवी मन्दिर, भगवती मन्दिर, राधाकृष्ण मन्दिर, शिव मन्दिर, हनुमान मन्दिर लगायतक विभिन्न धार्मिक मठ, मन्दिर तथा देवस्थलसभ अछि । विजयादशमी, यमपञ्चक, तीज, होली, श्रीकृष्ण जन्माष्टमी, बुद्ध पूर्णिमा, ल्होसार, छठ, रामनवमी, इद, बकरिद तथा रमजान लगायतक पावनि तिहारसभ भव्य रूपमे मनाएल जाइवाला राजविराज नगरक्षेत्रक अपने प्रकारक विशेषता अछि ।
विकिमिडिया कमन्समे राजविराजसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
This article uses material from the Wikipedia मैथिली article राजविराज, which is released under the Creative Commons Attribution-ShareAlike 3.0 license ("CC BY-SA 3.0"); additional terms may apply (view authors). CC BY-SA 4.0 कऽ अन्तर्गत विषय सूची उपलब्ध अछि । Images, videos and audio are available under their respective licenses.
®Wikipedia is a registered trademark of the Wiki Foundation, Inc. Wiki मैथिली (DUHOCTRUNGQUOC.VN) is an independent company and has no affiliation with Wiki Foundation.