जनकपुर उपमहानगरपालिका जनकपुर अञ्चलक धनुषा जिलामे अवस्थित अछि। जनकपुर उपमहानगरपालिक रूपमे २०७१ साल अगहन १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिका लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा भेला बाद उपमहानगरपालिका घोषणा भेल। जनकपुरकें उपमहानगरपालिका घोषित करैत काल एहिमे कुर्था, बसबिट्टी, बिन्धी, महुवा प्रको, लोहना, बेंगाशिवपुर, बसहिया, देवपुरा रूपैठा, लक्ष्मीपुरबगेवा, गोपालपुर तथा कनकपट्टी गाविसक समावेस करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा कएल गेल। ई धनुषा जिलाक सदरमोकाम सेहो छी। एतय नेपालक प्रसिद्ध हिन्दू तीर्थस्थल जानकी मन्दिर अछि। जनकपुर नगरक मैथिली संस्कृतिक केन्द्र मानल जाइत अछि। जनकपुर वा जनकपुरधाम दक्षिण पूर्व नेपालक जनकपुर अञ्चल अन्तर्गत धनुषा जिलामे अवस्थित अछि। ई सहर नेपालक तराईमे अवस्थित अछि आ एकरा साँस्कृतिक, व्यापारिक तथा राजनैतिक दृष्टिकोणसँ महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि।
जनकपुर उपमहानगरपालिका | |
---|---|
देश | नेपाल |
अञ्चल | जनकपुर अञ्चल |
जिला | धनुषा जिला |
उपमहानगरपालिका घोषित | वि.स.२०७१ अगहन १७ |
सरकार | |
• प्रकार | जनकपुर उपमहानगरपालिका |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• कुल | १५३६१४ |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०४१ |
वेबसाइट | www.janakpurmun.gov.np |
ई धनुषा जिलाक प्रशासकीय केन्द्र सेहो छी। ई सहरक अनुमानित जनसङ्ख्या १,५३,६१४ अछि। ई नेपालक राजधानी काठमाडौँसँ १२३ किलोमिटर दक्षिण पूर्वमे अछि तथा भारतीय भिट्ठामोड़ सीमासँ २० किलोमिटरक दुरीमे अवस्थित अछि। भौगोलिक अक्षांस आ देशान्तरक हिसाबमे ई सहर २६° ४२' ४४" उत्तर, ०८५° ५५' १८" पूर्वमे अवस्थित अछि। जनकपुर हिन्दू धर्ममे एक महत्वपूर्ण स्थल तथा नेपालक एकमात्र रेल भेला कारण पर्यटनक लेल सेहो महत्वपूर्ण शहर छी। जनकपुरधामक क्षेत्रफल ८५.९९ वर्ग किलोमिटर अछि। ई सहर पूर्व ऐतिहासिक मैथिली सभ्यताक केन्द्रविन्दु छी आ संगे ई शहरक अपन भाषा (मैथिली) आ लिपि (तिरहुता) सेहो अछि।
जनकपुरधामक आर अन्य विशेषता एतय रहल पोखरि आ कुण्डसभ छी। एतय कुटीसभ सेहो प्रशस्त अछि। जनकपुरधाममे बाजल जाइवाला प्रमुख भाषा मैथिली छी। मिथिलाक पारम्परिक घरसभ माटि आ लारद्वारा बनाएल जाइत अछि। जनकपुरधाममे मनाएल जाइवला प्रमुख पर्वसभमे सँ छठि, विवाह पञ्चमी, राम नवमी, लक्ष्मी पूजा, होली इत्यादि छी।
साधु, पण्डित आ राज पुरोहितसभक दस्तावेजसँ पता चलैत अछि की जनकपुरधाम १८हम शताब्दीक शुरुआतमे स्थापित भेल छल। सन् १८०५ मे जनकपुरधाम तीर्थ स्थलक रूपमे रहल विवरण पता चलल छल। पहिने रहल प्राचीन शहरक उपस्थितिक पुरातात्विक प्रमाण नै भेटल अछि। हिन्दू महाकाव्य रामायणक अनुसार, विदेहक राजा जनकक राजमहल आ राजधानी जनकपुरमे अवस्थित छल। कहल जाइत अछि की राजा जनककें हल जोतैत काल एक लड़की भेटल, जकर पुत्री स्विकारि ओकर नाम सीता राखि पालन पोषण कएल गेल। जब ओ पैग भेल, ओ कहल्नि जे हिन्दू भगवान शिवक धनुष जे हजारो वर्षसँ जनकपुरक अगलबगल राखल छल उठबैमे सक्षम होइत ओहि व्यक्तिसँ ओ विवाह करत। कयन शाही राजकुमार ओ धनुष उठबैक कोशिश केलक, मुदा अयोध्याक राजकुमार राम मात्र ओ धनुष उठाए सकल। एक पुरान गीतक अनुसार, ओ धनुष जनकपुरक उत्तर-पूर्वमे भेटल छल।
सन् १९५० कऽ दशकधरि जनकपुरमे किसान, कारीगर, पुजारी आ देवानसभ ग्रामीण इलाकामे समूह बनाए बसोबास करैत छल, जे मठ आ मन्दिरक लेल काम करैत छल आ भूमि नियन्त्रित करैत छल। भारतमे आजादीक बाद, जनकपुर एक वाणिज्यिक केन्द्रक रूपमे विस्तार भेल आ सन् १९६० कऽ दशकमे धनुषा जिलाक सदरमोकाम बनि गेल।
हिन्दू धर्ममे राम आ सीताक मुख्य प्रभाव भेलाक कारण, जनकपुर दुनिया भरिमे हिन्दुसभक लेल एक महत्वपूर्ण तीर्थ स्थल छी।
पहिल सहस्राब्दी पाठ कऽ अनुसार शतपथ ब्राह्मण, मैथिल राजा माथव विदेघा अपन पुजारी गोतम राहुगानाक नेतृत्वमे सदानिरा (गण्डकी नदी) कऽ पार करि लेलक आ राजधानी कऽ रूपमे जनकपुरक संग विदेह राज्यक स्थापना केलक। गौतमा राहुगना ऋग्वेदक कयन भजन रचित केनए छल तहि लेल ई घटनासभ पक्का वैदिक सभ्यताक समय भेल होइत।
बौद्ध धर्मक संस्थापक गौतम बुद्ध आ जैन धर्मक २४हम आ अन्तिम तीर्थङ्कर, वर्धामान महावीर, जनकपुरमे रहैत छल। ई क्षेत्र पहिल सहस्राब्दी कऽ समय मिथिला इतिहासक लेल महत्वपूर्ण केन्द्र छल।
ठण्डी मौसममे जनकपुरक तापक्रम १०-१८ डिग्री सेन्टिग्रेड होइत अछि तँ गर्मी मौसममे ३०–४२.३ डिग्री सेन्टिग्रेड तापक्रम होइत अछि।
जनकपुर विमानस्थल (१९८१-२०१०)-कऽ लेल मौसम जानकारी | |||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
महिना | जन | फर | मार्च | अप्रैल | मई | जुन | जुलाई | अगस्त | सित | अक्टु | नव | दिस | वर्ष |
अधिकतम °से (°फे) औषत | २२٫२ (७२) | २६٫० (७९) | ३१٫२ (८८) | ३४٫८ (९५) | ३४٫६ (९४) | ३४٫१ (९३) | ३२٫५ (९१) | ३२٫७ (९१) | ३२٫३ (९०) | ३१٫७ (८९) | २९٫३ (८५) | २५٫१ (७७) | ३०٫५ (८७) |
दैनिक औषत °से (°फे) | १५٫६ (६०) | १८٫६ (६५) | २३٫४ (७४) | २७٫७ (८२) | २९٫३ (८५) | ३०٫० (८६) | २९٫३ (८५) | २९٫६ (८५) | २८٫८ (८४) | २६٫८ (८०) | २२٫५ (७३) | १८٫० (६४) | २५٫० (७७) |
न्यूनतम °से (°फे) औषत | ९٫१ (४८) | ११٫३ (५२) | १५٫५ (६०) | २०٫६ (६९) | २४٫० (७५) | २५٫९ (७९) | २६٫१ (७९) | २६٫४ (८०) | २५٫३ (७८) | २२٫० (७२) | १५٫७ (६०) | १०٫९ (५२) | १९٫४ (६७) |
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) | ११٫७ (०٫४६) | ११٫४ (०٫४५) | ११٫५ (०٫४५) | ५२٫२ (२٫०६) | १२८٫३ (५٫०५) | २३८٫७ (९٫४) | ४८७٫६ (१९٫२) | ३३९٫४ (१३٫३६) | १९७٫५ (७٫७८) | ६३٫९ (२٫५२) | १٫९ (०٫०७) | ८٫४ (०٫३३) | १,५५२٫५ (६१٫१२) |
स्रोत: नेपाल मौसम पूर्वानुमान विभाग |
विकिमिडिया कमन्समे जनकपुरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
This article uses material from the Wikipedia मैथिली article जनकपुर उपमहानगरपालिका, which is released under the Creative Commons Attribution-ShareAlike 3.0 license ("CC BY-SA 3.0"); additional terms may apply (view authors). CC BY-SA 4.0 कऽ अन्तर्गत विषय सूची उपलब्ध अछि । Images, videos and audio are available under their respective licenses.
®Wikipedia is a registered trademark of the Wiki Foundation, Inc. Wiki मैथिली (DUHOCTRUNGQUOC.VN) is an independent company and has no affiliation with Wiki Foundation.