कश्मीरी भाषा एक भारतीय-आर्य भाषा छी जे मुख्यतः कश्मीर उपत्यका तथा चेनाब उपत्यकामे बाजल जाए जाइत अछि। वर्ष २००१ के जनगणना के अनुसार भारतमे एकर बाजय वाला के सङ्ख्या लगभग ५६ लाख अछि। पाक-अधिकृत कश्मीरमे १९९८ के जनगणना के अनुसार लगभग १ लाख कश्मीरी भाषा बाजय वाला अछि। कश्मीर के वितस्ता उपत्यकाके अतिरिक्त उत्तरमे जोजीला आ बर्लज धरि तथा दक्षिणमे बानहालसँ आगा किश्तवाड (जम्मू प्रान्त) के छोटका उपत्यका धरि ई भाषा के बाजय वाला अछि। कश्मीरी, जम्मू प्रान्त के बानहाल, रामबन तथा भद्रवाहमे सेहो बाजल जाइत अछि। प्रधान उपभाषा किश्तवाड के कश्तवाडी छी।
कश्मीरी भाषा Kashmiri | ||||
---|---|---|---|---|
كٲشُر, कॉशुर, 𑆑𑆳𑆯𑆶𑆫𑇀 | ||||
उच्चारण: | [kəːʃur] | |||
बाजल जाइवाला स्थान: | जम्मु आ कश्मिर (भारत) | |||
आरम्भ: | २०११ जनगणना | |||
प्रयोग क्षेत्र: | कश्मिर उपत्यका, चेनब उपत्यका | |||
मातृभाषी: | ६.८ मिलियन | |||
भाषा परिवार: | हिन्द-युरोपेली
| |||
शाखा भाषा: | कश्तावरी (मानक) पोगुली राम्बानी | |||
लिपि | फारसी-अरबी लिपि (समकालीन,आधिकारिक), देवनागरी लिपि (समकालीन), शारदा लिपि (प्राचीन / लिटर्गालिक) | |||
आधिकारिक अवस्था | ||||
आधिकारिक भाषा | भारत | |||
भाषा कोड: | ||||
आइएसओ ६३९-१ | ks | |||
आइएसओ ६३९-२ | kas | |||
आइएसओ ६३९-३ | kas | |||
|
कश्मीर के भाषा कश्मीरी (कोशुर) छी ई कश्मीरमे वर्तमान समयमे बाजय जाए वाला भाषा छी। कश्मीरी भाषा के लेल विभिन्न लिपिसभक उपयोग कएल गेल अछि, जाहिमे मुख्य लिपिसभ अछि- शारदा, देवनागरी, रोमन आ परशो-अरबी छी। कश्मीर वादी के उत्तर आ पश्चिममे बाजय जाए वाला भाषासभ - दर्ददी, श्रीन्या, कोहवाड कश्मीरी भाषा के उलट छल। ई भाषा इन्डो-आर्यन आ हिन्दुस्तानी-ईरानी भाषा के समान अछि। भाषाविदसभक माननाए अछि जे कश्मीर के पहाडसभमे बसोबास करै वाला पूर्व नागावासी जेहन गन्धर्व, यक्ष आ किन्नर आदि ,बहुत पहिने ही मूल आर्यनसँ अलग भऽ गेल। अहिना कश्मीरी भाषाक आर्य भाषा जेहन बनै मे बहुत समय लगल। नागा भाषा स्वतः ही विकसित भेल अछि ई सभ के बावजूद, कश्मीरी भाषा अपन विशिष्ट स्वर शैली के बनाके रखलक् आ ८हम तथा ९हम शताब्दीमे अन्य आधुनिक भारतीय भाषासभक जेना ,अनेकौं चरणसभसँ गुजरए पडल।
This article uses material from the Wikipedia मैथिली article कश्मीरी भाषा, which is released under the Creative Commons Attribution-ShareAlike 3.0 license ("CC BY-SA 3.0"); additional terms may apply (view authors). CC BY-SA 4.0 कऽ अन्तर्गत विषय सूची उपलब्ध अछि । Images, videos and audio are available under their respective licenses.
®Wikipedia is a registered trademark of the Wiki Foundation, Inc. Wiki मैथिली (DUHOCTRUNGQUOC.VN) is an independent company and has no affiliation with Wiki Foundation.