उत्तर कोरिया

उत्तर कोरिया, आधिकारिक रूपसँ प्रजातान्त्रिक जनवादी गणतन्त्र कोरिया (हङ्गुल: 조선 민주주의 인민 공화국, हाञ्जा:朝鲜民主主义人民共和国) पूर्वी एसियामे कोरिया प्रायद्वीपक उत्तरमे बसल एक देश छी । देशक राजधानी आ सभसँ पैग शहर प्योङयाङ छी । कोरिया प्रायद्वीपक ३८अम समानान्तर पर बनाएल गेल कोरियाली सैन्यविहीन क्षेत्र उत्तर कोरिया आ दक्षिण कोरियाक बीच विभाजन रेखाक रूपमे काज करैत अछि । अमनोक नदी आ तुमेन नदी उत्तर कोरिया आ चीनक बीच सीमाक निर्धारण करैत अछि, ओतय अती उत्तर-पूर्वी छोर पर तुमेन नदीक एक शाखा रूसक साथ सीमा बनबैत अछि ।

प्रजातान्त्रिक जनवादी गणतन्त्र कोरिया
조선민주주의인민공화국
Democratic People's Republic of Korea
उत्तर कोरियाको झन्डा
झन्डा
उत्तर कोरियाको प्रतीक
प्रतीक
राष्ट्रिय गान: 
उत्तर कोरियाद्वारा नियन्त्रित क्षेत्र गाढा हरियरमे; उत्तर कोरियाद्वारा दावी कएल गेल मुदा अनियन्त्रित क्षेत्र हलका हरियरमे
उत्तर कोरियाद्वारा नियन्त्रित क्षेत्र गाढा हरियरमे; उत्तर कोरियाद्वारा दावी कएल गेल मुदा अनियन्त्रित क्षेत्र हलका हरियरमे
राजधानी
र सभसँ पैघ सहर
प्योङयाङ
३९°२′उ॰ १२५°४५′पू॰ / ३९.०३३°N १२५.७५०°E / 39.033; 125.750
आधिकारिक भाषासभकोरियाली
आधिकारिक लिपिचोहोन हुल
मूलवासी(सभ)
  • North Korean
  • Korean
सरकारजुचे समाजवादी गणतन्त्र, एकल दल वामपन्थी राज्य (de facto)
• सर्वोच्च नेता
किम जोङ्ग उन
• सभाक
मुख्य
किम योङ्ग नाम
• आर्मी जनरल राजनीतिक ब्युरोक निर्देशक
Choe Ryong-hae
व्यवस्थापिकासर्वोच्च आम सभा
स्थापना
• प्रथम वंश
इशा पूर्व १९४
• तीन राजवंश
इशा पूर्व १८
• उत्तर-दक्षिण राजवंश
६९८
• एकल वंश
९१८
• जापानद्वारा शासन
२९ अगस्त १९१०
• जापानद्वारा स्वतन्त्रता
१५ अगस्त १९४५
• उत्तर कोरियाक प्रान्तीय लोक समितिक गठन
८ फरबरी १९४६
• प्रजगको
९ सितम्बर १९४८
• चिनियाँ हस्तान्तरण
अक्टुबर १९५८
• जुचे प्रेरणा लागु
२७ दिसम्बर १९७२
• वर्तमान संविधान
२९ जुन २०१६
क्षेत्रफल
• कुल
१,२०,५४० किमी (४६,५४० वर्ग माइल) (९७हम)
• पानी (%)
४.८७
जनसङ्ख्या
• 2016 अनुमानित
25,368,620 (४८हम)
• २००८ जनगणना
24052231
• घनत्व
१९८.३ /किमी2 (५१३.६ /वर्ग माइल) (६३हम)
कुल ग्राहस्थ उत्पादन (क्रय शक्ति समता)२०१४ लगत
• कुल
$४० विलयन
• प्रति व्यक्ति
$१,८००
कुल ग्राहस्थ उत्पादन (साङ्केतिक)२०१५ लगत
• कुल
$२५ बिलियन
• प्रति व्यक्ति
$१,०००
मुद्राउत्तर कोरियाली वोन (₩) (KPW)
समय क्षेत्रअन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समय+८:३० (प्योङयाङ समय)
तिथि आकृति
  • yy, yyyy년 mm월 dd일
  • yy, yyyy/mm/dd (सन्–१९११ / सन्)
सडक प्रयोगदहिना
टेलिफोन कोड+८५०
इन्टरनेट डोमेन.kp

सन् १९१० मे, कोरिया साम्राज्य पर जापानद्वारा कब्जा करि लेल गेल छल । सन् १९४५ मे द्वितीय विश्वयुद्धक अन्तमे जापानी आत्मसमर्पणक बाद, कोरियाकें संयुक्त राज्य आ सोभियत सङ्घद्वारा दुई क्षेत्रसभमे विभाजित करि देल गेल, जतय एकर उत्तरी क्षेत्र पर सोभियत सङ्घ तथा दक्षिण क्षेत्र पर अमेरिकाद्वारा कब्जा करि लेल गेल । एकर एकीकरण पर बातचीत विफल रहल, आ सन् १९४८ मे, दुनू क्षेत्रसभ पर अगल-बगल देश आ सरकार: उत्तरमे समाजवादी प्रजातान्त्रिक जनवादी कोरिया, आ दक्षिणमे पूंजीवादी गणतन्त्र कोरिया बनि गेल । दुनू देशक बीच एक युद्ध (१९५०-१९५३) सेहो भऽ गेल अछि । कोरियाली युद्धविधि समझौतासँ युद्धविराम तँ भेल, मुदा दुनू देशक बीच शान्ति समझौता पर हस्ताक्षर नै कएल गेल ।

उत्तर कोरिया आधिकारिक तौर पर अपना आपकें आत्मनिर्भर समाजवादी राज्यक रूपमे दर्शावैत अछि । आ औपचारिक रूपसँ चुनाव सेहो कएल जाइत अछि । ओना तँ आलोचक एकरा अधिनायकवादी तानाशाहीकें रूप मानैत अछि, किया की एहि ठामक सत्ता पर किम इल-सुङ आ हुनकर परिवारक लोकसभक अधिपत्य अछि । बहुतेक अन्तर्राष्ट्रिय सङ्गठनसभक अनुसार उत्तर कोरियामे मानवाधिकार उल्लङ्घनक समकालीन दुनियामे कोनो समानान्तर नै अछि । सत्तारूढ़ परिवारक सदस्यसभक नेतृत्वमे कोरियाक श्रमिक पार्टी (डब्लुपिके), देशक सत्ता नियन्त्रित अछि आ दुनू देशक पुनर्मिलनक लेल डेमोक्रेटिक फ्रन्टक नेतृत्व करैत अछि जहिमे सम्पूर्ण राजनीतिक अधिकारीसभक सदस्य होनाए आवश्यकता होइत अछि ।

राष्ट्रिय आत्मनिर्भरताक विचारधारा जुचे, सन् १९७२ मे मार्क्सवादी-लेनिनवादीक रचनात्मक प्रयोगक रूपमे संविधानमे पेश कएल गेल छल । राज्यक उद्यमशील आ सामूहिक कृषिक माध्यमसँ कृषि उत्पादन पर राज्यकें स्वामित्व रहैत अछि । स्वास्थ्य सेवा, शिक्षा, आवास आ खाद्य उत्पादन जका अधिकांश मूल सेवासभ अनुवृत्ति होइत अछि या राज्य-वित्त पोषित होइत अछि । सन् १९९४ सँ सन् १९९८ धरि, उत्तर कोरियामे अकाल पड़ल छल, जकर परिणामस्वरूप ०.२४ सँ ३.५ मिलियन लोकसभक मौत भेल आ आबो खाद्य उत्पादनमे सङ्घर्ष करि रहल अछि । उत्तर कोरिया सोङ्गुन या सैन्य-प्रथम नीतिकें पालन करैत अछि । १.२१ मिलियन रहल एकर सक्रिय सेना चीन, अमेरिका आ भारतक बाद दुनियामे चारिम सभसँ पैग सेना अछि । उत्तर कोरिया एक परमाणु हथियार सम्पन्न देश छी । उत्तर कोरिया अपना आपकें एक नास्तिक देश मानैत अछि एतय कोनो आधिकारिक धर्म नै अछि संगे सार्वजनिक रूपसँ धर्मकें नै मानल जाइत अछि ।

इतिहास

जापानी आधिपत्य (१९१०-१९४५)

सन् १९०५ मे रुसो-जापान युद्धक बाद जापानद्वारा कब्जा कएल जाए सँ पहिने प्रायद्वीप पर कोरियाली साम्राज्यक शासन व्यवस्था छल । सन् १९४५ मे द्वितीय विश्वयुद्धक समाप्ति पश्चात ई सोभियत सङ्घ आ अमेरिकाक नियन्त्रित क्षेत्रसभमे बांटि देल गेल । उत्तर कोरियाद्वारा संयुक्त राष्ट्र सङ्घक पर्यवेक्षणमे सन् १९४८ मे दक्षिणमे भेल चुनावमे भाग नै लेवाक निर्णय केलक, जकर परिणामस्वरूप दुनू नियन्त्रित क्षेत्रसभमे अलग कोरियाली सरकारसभकें गठन भेल । उत्तर आ दक्षिण कोरिया दुनू पूरे प्रायद्वीप पर सम्प्रभुताकें दावा केलक, जकर परिणति सन् १९५० मे कोरियाली युद्धक रूपमे भेल । सन् १९५३ मे भेल युद्धविरामक बाद युद्ध तँ अन्त भऽ गेल, मुदा दुनू देश अखनो आधिकारिक रूपसँ युद्धरत अछि, कियाकी शान्ति सन्धि पर कहियो हस्ताक्षर नै कएल गेल । दुनू देशसभकें सन् १९९१ मे संयुक्त राष्ट्रमे स्वीकार किएल गेल । २६ मई २००९ मे उत्तर कोरियाद्वारा एकतरफा युद्धविराम वापिस लऽ लेल गेल ।

सोभियत आधिपत्य आ कोरियाक विभाजन (१९४५-१९५०)

सन् १९४५ मे जखन द्वितीय विश्वयुद्ध समाप्त भेल तँ, कोरियाली प्रायद्वीपकें ३८ समानान्तर रेखासँ दुनू क्षेत्रसभमे विभाजित करि देल गेल, जकर उत्तरी क्षेत्रमे सोभियत सङ्घ आ दक्षिणी भाग पर संयुक्त राज्य अमेरिकाक कब्जा भेल । विभाजन रेखा हेतु दुई अमेरिकी अधिकारी, डिन रस्क आ चार्ल्स बोनेस्टेलकें काम सौंपल गेल, ओ दुनू देशकें लगभग आधा-आधा भागमे विभाजित केलक मुदा राजधानी सियोलकें अमेरिकी नियन्त्रणक तहत राखने छल । ओ अवस्थाक बादो, विभाजन तुरन्त सोभियत सङ्घद्वारा स्वीकार करि लेल गेल । सोभियत जनरल तेरेन्ति शैतकोभद्वारा सन् १९४५ मे सोभियत नागरिक प्राधिकरणक स्थापनाक सिफारिश केलक, आ उत्तर कोरियाक लेल फरबरी सन् १९४६ मे स्थापित अस्थायी पिपल्स समितिकें अध्यक्षक रूपमे किम इल-सुङक समर्थन केलक । अस्थायी सरकारक समयमे, शैतकोभक मुख्य उपलब्धि, व्यापक भूमि सुधार कार्यक्रम रहल जे उत्तरी कोरियाकें जमीन्दारी प्रणालीके समाप्त करि देलक । ओतय रहल जमीन्दार आ जापानी सहयोगी दक्षिणक क्षेत्रमे भाग गेल । शैतकोभद्वारा ओतय रहल बहुतेक प्रमुख उद्योगसभकें राष्ट्रियकरण करि देलक आ कोरियाक भविष्य पर वार्ता करवाक लेल मस्को आ सियोलमे सोभियत प्रतिनिधि मण्डलक नेतृत्व सेहो केलक । सन् १९४८ सितम्बर ९ मे डेमोक्रेटिक पिपल्स रिपब्लिक अफ कोरियाकें स्थापित कएल गेल । शैतकोभ एकर पहिल सोभियत राजदूतक रूपमे रहल, जबकि किम इल-सुङ एकर प्रमुखक रुपमे काबिज भेल ।

सन् १९४८ मे सोभियत सेना उत्तरी कोरियासँ वापिस चलि आएल आ सन् १९४९ मे अमेरिकी सेना दक्षिण कोरियासँ हटि गेल । राजदूत शैतकोभकें सन्देह छल की दक्षिणक कम्युनिस्ट विरोधी सरकार, उत्तर पर आक्रमण करवाक योजना बनाए रहल अछि, एतय ओ समाजवादक तहत कोरियाली प्रायद्वीपक एकीकरणक किमक लक्ष्यक प्रति सहानुभूति रखैत छल । बादमे दुनू दक्षिण पर पहिने आक्रमण करवाक लेल जोसेफ स्टालिनके मनेबामे सफल रहल, जे आगा चलि कोरियाली युद्धक रूपमे भेल ।

कोरियाली युद्ध (१९५०-१९५३)

उत्तर कोरिया 
कोरियाली युद्धक समयक दृश्यसभ

कोरियाली युद्ध शीत युद्ध कालमे लड़ल गेल पहिल महत्वपूर्ण युद्ध छल । एक दिस उत्तर कोरिया छल जकर समर्थन सोभियत सङ्घ तथा साम्यवादी चीन करि रहल छल, तँ दोसर दिस दक्षिण कोरिया छल जकर रक्षा अमेरिका करि रहल छल । युद्ध अन्तमे बिना निर्णय समाप्त भेल मुदा जन क्षति तथा तनाव बहुत अधिक छल । कोरिया-विवाद सम्भवतः संयुक्त राष्ट्र सङ्घक शक्ति-सामर्थ्यक सभसँ महत्वपूर्ण परीक्षण छल । अन्तर्राष्ट्रिय राजनीतिक विद्वान शुमा एकरा सामूहिक सुरक्षा परीक्षण कऽ संज्ञा देनए अछि ।

द्वितीय विश्वयुद्धक अन्तिम दिनमे मित्र-राष्ट्रसभमे ई तय भेल की जापानी आत्म-समर्पणक बाद सोभियत सेना उत्तर कोरियाक ३८ अक्षांशधरि तथा संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सेना ई अन्तर्राष्ट्रिय सीमारेखाक दक्षिण भागक निगरानी करत । दुनू शक्ति अन्तरिम कोरियाली प्रजातान्त्रिक सरकार कऽ स्थापनाक लेल संयुक्त आयोगक स्थापना केलक । मुदा सन् १९५० जुन २५ कें उत्तर कोरियाद्वारा दक्षिण कोरिया पर आक्रमण करि देल गेल । एहि दिन संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदमे सोभियत अनुपस्थितिकें फायदा उठबैत अमेरिकाद्वारा अन्य सदस्यसभसँ मिल उत्तर कोरियाकें आक्रमणकारी घोषित करवाए देलक । सुरक्षा परिषद ई सिफारिशकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सदस्य कोरियाली गणतन्त्रक आवश्यक सहायता प्रदान करी जहि सँग ओ सशस्त्र आक्रमणक प्रतिरोक करि सकए तथा ओ क्षेत्रमे शान्ति आ सुरक्षा स्थापित कएल जाए सकै । पहिल बेर सन् १९५० जुलाई ७ कें अमेरिकाक जनरल म्याकार्थरक कमानमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक झण्डाक नीचा संयुक्त कमानक निर्माण कएल गेल ।

मुदा बादमे सोभियत सङ्घ सेहो सुरक्षा परिषदक कारवाहीमे भाग लेनाए आरमभ करि देलक आ कोरियामे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक कारवाही रोकैक लेल भिटो कऽ प्रयोग करि देलक । एकर परिणामस्वरूप सन् १९५० नवम्बर ३, संयुक्त राष्ट्र महासभाद्वारा शान्ति कऽ लेल एकता प्रस्ताव पास करि अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति आ सुरक्षाकें उत्तरदायित्व स्वयं लऽ लेलक । फलस्वरूप अमेरिकी आ चीनी सेनासभ कोरियाली मामला केर लऽ उलझि गेल । अन्ततः भारत तथा किछ अन्य शान्तिप्रिय राष्ट्रसभक पहलक कारण सन् १९५३ जुलाई २७, कऽ दिन दुनू पक्षसभक बीच युद्ध विराम-सन्धि भेल । एहि प्रकार कोरियाली युद्धकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घ रोक लगेबामे सफल भेल । ओना तँ अखनो उत्तर तथा दक्षिण कोरियामे आपसी तनाव जारी रहैत अछि ।

अमेरिकी रक्षा मन्त्रालय केर अनुसार ई विनाशकारी युद्धक कारण ३३,६८६ सैनिक आ २,८३० आम नागरिकक मृत्यु भऽ गेल । सन् १९५० नवम्बर १, चीनक सैनिकसभक सामना केलाक बाद सैनिकसभक मृत्यु सङ्ख्या ८,५१६ बढि गेल । दक्षिण कोरियाक बतौलक की ई युद्ध सँ ओकर ३,७३,५९९ आम नागरिक आ १,३७,८९९ सैनिक मारल गेल । पश्चिम देशसभक स्रोत अनुसार ई युद्धमे चारि लाख लोकसभक मृत्यु आ ४,८६,००० लोक घायल भेल छल । केपिए अनुसार २,१५,००० लोकसभक मौत आ ३,०३,००० लोक घायल भेल छल ।

युद्धक बादक स्थिति

२१अम शताब्दी

उत्तर कोरिया 
उत्तर कोरियाक प्रमुख नेता किम इल-सुङ आ किम जोङ-इलक मूर्ति

सन् २००१ मे अमेरिकी राष्ट्रपति जर्ज डब्लु बुशक चुनावक संगे अन्तर्राष्ट्रिय राजनैतिक वातावरण परिवर्तित भऽ गेल । बुशक प्रशासनद्वारा दक्षिण कोरियाक सनसाइन नीति आ सहमतीय आधारसभकें खारिज करि देलक । अमेरिकी सरकारद्वारा उत्तर कोरियाकें एक दुष्ट राज्यक रूपमे व्यवहार केलक, जबकि ओ पुन: इराक युद्धसँ अपन ध्यान हटेबाक संगे परमाणु हथियारसभकें अधिग्रहणक प्रयासकें आओरो तीव्र बनेलक । सन् २००६ अक्टुबर ९ कें दिन उत्तर कोरिया विश्व सञ्चार माध्यममे ई घोषणा केलक की ओ अपन पहिल परमाणु हथियार परीक्षण केलक अछि ।

भूगोल

उत्तर कोरिया 
उत्तर कोरियाक स्थलीकृत नक्सा

उत्तर कोरिया एसिया महादेशक कोरियाली प्रायद्वीपक उत्तरमे अवस्थित अछि । ई क्षेत्र ३७° आ ४३° उत्तरी अक्षांश, आ १२४° आ १३१° पूर्वी देशान्तरमे अवस्थित अछि । ई १,२०,५४० वर्ग किलोमिटर (४६,५४१ वर्ग माइल) क क्षेत्रफल ओकटने अछि । उत्तर कोरियाक उत्तरमे चीन तथा रूस आ दक्षिण कोरियाक सीमा कोरियाली सैनिक क्षेत्रधरि अवस्थित अछि । एकर पश्चिममे पियर सागर आ कोरियाक खाड़ी अवस्थित अछि, एकर पूर्वमे जापानक सागर अवस्थित अछि ।

कोरियाक शुरुआती युरोपेली आगन्तुकसभद्वारा टिप्पणी कएल गेल अछि की ई देश प्रायः बहुत रास पर्वत श्रृङ्खलासभक कारण सँ भारी प्रचण्ड वायु कऽ एक समुन्द्र जका देखऽ मे लगैत अछि, जे की एगो सामान्य प्रायद्वीपक विपरीत अछि । उत्तर कोरियाक लगभग ८० प्रतिशत भाग पहाड़ आ ऊपरी क्षेत्रसभ सँ बनल अछि, जे की गहीर आ सङ्कीर्ण घाटीसभ सँ भिन्न अछि । उत्तर कोरियामे २,००० मिटर (६,६०० फिट) या ओहि सँ अधिक उन्नयनक संग कोरियाली प्रायद्वीपक सम्पूर्ण पर्वत अवस्थित अछि । उत्तर कोरियाक उच्चतम बिन्दु समुद्र सतह सँ २,७४४ मिटर (९,००३ फिट) कऽ उचाई कऽ संग ज्वालामुखी पर्वत पाक्तु पर्वत अछि । कोरियाली संस्कृतिमे पाक्तु बहुत महत्वपूर्ण अछि, जकरा कोरियाली लोकसभ एक पवित्र स्थान मानैत अछि आ एहि प्रकार किम साम्राज्यक आगल-बगल विस्तृत लोक कथासभमे सेहो एकरा शामिल कएल गेल अछि । अन्य प्रमुख पर्वत श्रेणीसभ अति उत्तरपूर्व आ राङ्गरिम पहाड़सभक ह्यागिङ रेञ्जमे अछि, जे की उत्तर कोरियाक उत्तर-मध्य भागमे अवस्थित अछि । दक्षिण कोरिया धरि अवस्थित ताएब्याक रेञ्जमे रहल माउन्ट कुमग्याङ, एकर अलौकिक सुन्दरताक लेल प्रसिद्ध अछि ।


एकर तटीय किनारा क्षेत्र पश्चिमसँ पूर्व धरि फैलल अछि । उत्तर कोरियाक अधिकाश लोकसभ समथर आ निचलका भूमिमे बसोबास करैत अछि । सन् २००३ मे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक वातावरणीय कार्यक्रमक एक प्रतिवेदन अनुसार उत्तर कोरियाक भूमिमे सँ ७०% भाग वनजङ्गल ओकटने अछि । उत्तर कोरियाक सभसँ लम्बा नदी एम्नोक (यालु) छी जकर लम्बाई ७९० किलोमिटर (४९१ माइल) अछि ।

प्रशासनिक विभाग

मानचित्र नाम कोरियाली नाम प्रशासनिक सिट
उत्तर कोरिया 
रसोन
नाम्पो
दक्षिण प्योङ्गन
उत्तर ह्वाङ्गही
दक्षिण ह्वाङ्गही
कङ्गवोन
दक्षिण हमग्याङ
उत्तर हमग्याङ
रयङ्गगाङ
च्यागाङ
उत्तर प्योङ्गन
पियर सागर
(कोरिया पश्चिम सागर)
कोरिया खाडी
जापानक सागर
(कोरिया पूर्व सागर)
राजधानी (चिखालसी)
प्योङयाङ 평양직할시 (चुङ-गुयोक)
विशेष शहर
रसोन * 라선특별시 (रेजिन-गुयोक) *
प्रान्त
दक्षिण प्योङ्गन 평안남도 प्योङसाङ
उत्तर प्योङ्गन 평안북도 सिनुइजु
च्यागाङ 자강도 काङ्गये
दक्षिण ह्वाङ्गही 황해남도 हैजु
उत्तर ह्वाङ्गही 황해북도 सारिवोन
कङ्गवोन 강원도 वोनसान
दक्षिण हमग्याङ 함경남도 हमहुङ
१० उत्तर हमग्याङ 함경북도 चोङ्गजिन
११ रयङ्गगाङ 량강도 ह्यसन
* – दक्षिणी बोली अनुसार प्रतिपादनक रूपमे "याङ्गग्याङ" (양강), "नासोन" (나선), वा "नाजिन" (나진) ।



टिप्पणी

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी

Tags:

उत्तर कोरिया इतिहासउत्तर कोरिया भूगोलउत्तर कोरिया प्रशासनिक विभागउत्तर कोरिया टिप्पणीउत्तर कोरिया सन्दर्भ सामग्रीसभउत्तर कोरिया बाह्य जडीसभउत्तर कोरिया एहो सभ देखीउत्तर कोरिया

🔥 Trending searches on Wiki मैथिली:

बिर्कातृषा (अभिनेत्री)भारत महिला क्रिकेट टिमबबीता फोगाटहिमालयअतिशा प्रताप सिंहबाराहा, सगरमाथाकान्तिपुर दैनिकमुलेठीरेखादलाई लामाशरद ऋतुबलात्कारएचडीएफसी बैंक (भारत)मुलायम सिंह यादवदशावतारकाजल अग्रवालबिहारस्नेहलताकुमार विश्वासहजार स्तम्भ मन्दिरलुई पास्चरदरवार हत्याकाण्डकर्पुरी ठाकुरमान्चू विष्णुमिसेल ओबामाउपेन्द्र यादवबिबिसीजन गण मनजय श्री रामइन्डोनेसियामहासागर१७ अप्रैलमोहित चौहानहेनरी ड्यूनेन्टअङ्ग्रेजी भाषागर्भपतनकोइलीमैथिली ठाकुरमकैजन्नत जुबेर रहमानीबौत्रोस बौत्रोस-घालीपतञ्जलिस्तन संभोगबीकानेर जिलादोहामराठी भाषाइथियोपियाहरसिमरत कौर बादलइस्लामछिन्दवाड़ायुनानी भाषाडियर जिन्दगीरानी रत्न राज्यलक्ष्मी देवी शाहसीताडग हमरसल्डपरिवाररमन म्याग्सेसे पुरस्कारअसमिया भाषाबैगा (जनजाति)काली पूजाविभा रानीभारतीय स्टेट बैंकआइएसबिएनमिस पूजाहनुमान चालीसाद ग्रेट खलीमनामा🡆 More